Tuesday, 15 March 2022

मिथिला नवचेतना समिति अपन मिथिला-भवन पर मनौलक "होरी हुरदंग"

 विगत १३ मार्च २०२२ रविदिन बेरुपहर ३ बजे सँ मिथिला नव चेतना समितिक तत्वाधान में अपन “मिथिला-भवन” पर बेरुपहर ३ बजे सँ सब बरषक तरहें अहु बेर “होरी- हुरदंगक” भव्य कार्यक्रम आयोजित छल।

उक्त कार्यक्र में कोलकाताक सुप्रसिद्ध भजन गायक श्रीमान दिलीप झा जी, गुड्डू जी ओ सहयोगी कलाकार द्वारा झमटगर मैथिली गीत-संगीत ओ फगुआक प्रस्तुति सँ सबहक मन मोहि लेलन्हि। अहि कार्यक्रम के आर विशेष बनौलन्हि रिषराक प्रतिभाशाली युवा ओ मैथिली आवाजक सशक्त ओ सुमधुर स्वरक नव कंठ प्रकाश ओ रौशन झा। संगहि रिषराक जानल मानल भजन गायक श्रीमान भगवान मिश्रा जी सेहो अपन गीत- संगीत सँ सबहक खुब मनोरंजन केलेन्हि।

एहि अवसर पर रिषरा ओ उपनगरिय क्षेत्रक कतिपय मिथिला-मैथिली सिनेही लोकनि उपस्थित छलाह। कार्यक्रम कें सफल संयोजन में समितिक सब सदस्यक भरपुर सहयोग ओ समर्थन छ्ल। कार्यक्रमक सफल क्रियान्वन में सर्वश्री अरुण कुमार सिंह, शिवचन्द्र झा, बद्री नाथ झा, शैलेन्द्र ठाकुर, नीरज झा, नरेश झा (सेवक संघ), ललन झा, पंकज कुमार झा, रोशन कुमार झा, कमलेश कुमार झा, दिपक कुमार झा कें विशेष सक्रिय देखल गेल।

कार्यक्रम में गुलाल ओ पुष्पक होरी विशेष आकर्षणक केन्द्र छ्ल। अन्त में फगुआक पारम्परिक जोगिरा उपस्थित समस्त दर्शक कें झुमेबाक लेल बाध्य कऽ देलक। समितिक दिश सँ चाह, सिंघारा, रसगुल्लाक संग केसरिया ठंडईक पर्याप्त व्यवस्था कएल गेल छल।

समितिक उपाध्यक्ष श्री बद्रीनाथ झा जीक अभिवादन ओ धन्यवाद ज्ञापनक सँग राति ९ बजे अहि कार्यक्रमक समापनक घोषणा कएल गेल।






 

No comments:

Post a Comment