Thursday, 10 March 2022

मिथिला नव चेतना समिति द्वारा आयोजित अछि होली हुरदंग २०२२

प्रीय मैथिल सिनेही गण, मिथिला नव चेतना समिति अपने सब गोटें केँ सुचित करैत अतयन्त हर्षित भऽ रहल अछि जे समिति द्वारा सब सालक तरहें अहु बेर आगामि १३ मार्च २०२२, रविदिन बेरुपहर ३ बजे सँ अपन मिथिला भवन पर मिथिलाक पारम्परिक फगुआ गीत संगितक मनमोहक कार्यक्रमक आयोजन केलक अछि। उक्त कार्यक्रम में कोलकाताक सुप्रसिद्ध नामी गरामी कलाकार द्वारा अद्वितिय ओ झमटगर प्रस्तुति होयत। अतएव अपने समस्त बन्धु- बान्धव सँ निवेदन जे उक्त कार्यक्रम में ससमय उपस्थित भऽ अहि कार्यक्रम केँ सफलता प्रदान करी आ हँ ! नवचेतना समितिक अपन विशेष आकर्षण रहल अछि स्पेशल केसरिया ठंडई। तऽ आउ हमरा लोकनि ऋतुराज बसंत मास में ठंडईक संग फगुआक रंग में रंगा कऽ अपन सबटा राग-द्वेष ओ इर्ष्या कें सम्पुर्ण रुप सँ नास कऽ दी। जय मिथिला जय मैथिली जय भारत अपनेक नीरज झा, सचिव

No comments:

Post a Comment