Friday, 17 August 2018

रीषरा मे मिथिला नव चेतना समिति द्वारा मनाओल गेल “स्वतंत्रता दिवस समारोह” आ “चेतना समारोह”।

दिनांक १५ अगस्त २०१८ कऽ देशक ७२ तम स्वतंत्रता दिवस आ मिथिला नव-चेतना समितिक १० म् स्थापना दिवस केर उपल्क्ष्य मे समिति द्वारा भरि दिना कार्यक्रमक आयोजन छल। ओना तऽ समिति सब वर्ष अपन स्थापना दिवस पर “चेतना-समारोह” केर आयोजन करैत आबि रहल अछि मुदा अहि बेर समिति हेतु विशेष महत्वपुर्ण वर्ष छ्ल कारण अहि बेरुका सम्पुर्ण कार्यक्रम समिति द्वारा निर्मित “मिथिला-भवन” पर आयोजित छल। मिथिला भवन पर ई आयोजन पिछला एक वर्षक समितिक कर्मठ सदस्यक मेहनति आ समर्पणक प्रमाण छल। भोर ७.०० बजे सँ समितिक युवा सदस्य स्वतंत्रता दिवसक ध्वजारोहण केर तैयारी मे जुटि गेल छलाह आ ठीक ९.०० बजे धरि समितिक सब सदस्य आ स्थानिय वासीक उपस्थिती मे समितिक यशस्वी आ उर्जावान युवा सचिव श्री नीरज झा जी द्वारा तीरंगा फहराओल गेल। तत्पश्चात सामुहिक राष्ट्रगान गाओल गेल। उक्त कार्यक्रम मे समितिक वरिय सदस्य द्वारा देशक विर सीपाही, अमर शहिद आ स्वतंत्रता-सेनानीक प्रति अपन भाव-व्यक्त कएलनि एहि क्रम मे अपन बात रखलाह सर्वश्री नीरज झा, बद्रीनाथ झा, अरुण सिंह, शिवचन्द्र झा, कालीकान्त मिश्र, भवनाथ झा, प्रभाकर झा, राधा कान्त पाठक, धिरेन्द्र मिश्र, अमरेन्द्र झा, विनय मिश्र, राजकुमार झा, ईश्वर चन्द्र झा, तपेश्वर चौधरी, अमित कुमार झा, आदि। कार्यक्रमक संचालन केलाह रंजीत कुमार झा। उपस्थित युवा सदस्य आ नवोदित मैथिली गायक प्रकाश आ रोशन द्वारा देशभक्ती गीतक प्रस्तुति अद्वितिय रहल। तत्पश्चात नेना-भुटका आ उपस्थित दर्शक’क माझ लमनचुस आ लड्डु वितरण कएल गेल। भोरुका कार्यक्रम प्रायः बेरुपहर १२.०० बजे धरि चाह-पानक संग समापनक घोषणा कएल गेल।

पुनः साँझुपहर ५.०० बजे सँ “चेतना-समारोह”क सुर-सार होमय लागल आ प्रायः ६.०० बजे सँ समारोह प्रकाश जीक सुमधुर आवाज मे विद्दापति रचित भगवतिक वंदना “जय-जय भैरवि………” सँ प्रारम्भ भेल। कार्यक्रमक शुभ उद्घाटन कएलनि वरिष्ठ साहित्यकार श्री राम लोचन ठाकुर, अध्यक्षता कएलनि प्रख्यात साहित्यकार श्री नविन चौधरी। मंच पर आन अतिथि जे कार्यक्रमक शोभा बढा रहल छलाह ताहि मे उपस्थित छलाह- वरिय कवि श्री लक्षम्ण झा “सागर”, सुपरिचित रंगनिर्देशक श्री गंगा झा, रिषरा’क भा.ज.पा अध्यक्ष श्रीमती शशी सिंह, मैथिल सुचिन्तक आ सफल उद्दोगपति श्री ललीत मिश्र, दरभंगा सँ आयल वरिष्ठ मैथिली आन्दोलनी श्री कमलेश झा। सब सँ पहिने मंचिय पाहुन लोकनि के पुष्प-गुच्छ आ सुप्रसिद्ध गायक श्री ईश्वर चन्द्र झा “व्यास” जीक सुन्नर सन आवाज मे स्वागत-गान सँ अभिवादन कएल गेलनि। तकरा बाद युवा आ उदियमान युवा गायक रोशन आ प्रकाश जी द्वारा गीतक अप्रतिम प्रस्तुति कएल गेल। उपस्थित दर्शकक थोपरी तकरा प्रमाणित कऽ रहल छल। त्तपश्चात “नव-चेतनाक” ८म् अंकक विमोचन भेल एवम् समितिक नव-कार्यकारिणिक उद्घोषणा सेहो कएल गेल। उक्त कार्यक्रम मे समितिक अध्यक्ष श्री अरुण कुमार सिंह, सचिव श्री नीरज झा आ कोषाध्यक्ष श्री अमित कुमार झा द्वारा समितिक क्रिया-कलाप पर विस्तृत जानकारी प्रस्तुत कएल गेल। तकरा बाद उपस्थित मंचस्थ पाहुन लोकनि द्वारा अपन उद्गार वयक्त कएल गेल। दर्शक दिर्घा मे अनेको गणमान्य अतिथि कार्यक्रम केर शोभा बढा रहल छलाह जाहि मे विशेष रुप सँ उपस्थित छलाह अखिल भारतिय मिथिला पार्टीक पं.बं. अध्यक्ष श्री प्रेम कुमार झा, एम. एस. यु केर सेनानी श्री मनिष कुमार झा, संजीब कुमार झा, बीमल झा, विनय भुषण ठाकुर आ कोलकाता एवम् उपनगरिय क्षेत्रक विभिन्न संस्था केर प्रतिनिधि लोकनि।  दोसर सत्र जे कवि गोष्ठीक छल ताहि में मुख्य रुप सँ कविता प्रस्तुत कएलनि सर्वश्री आमोद कुमार झा, उमाकान्त झा “बक्शी”, अशोक झा “भोली”, अशोक चौधरी, भवनाथ झा, लक्षम्ण झा “सागर”, रंजीत कुमार झा, श्रीमती हिमाद्री मिश्र आ श्रीमती शैल झा “सागर”। धन्यवाद ज्ञापण कएलनि समितिक उपाध्यक्ष श्री बद्री नाथ झा आ मंच संचालन कएलनि युवा रंगकर्मी रंजीत कुमार झा।