Thursday, 28 April 2016

समितिक भूमि पुजन दिनांक २३ अप्रील २०१६ केर रीपोर्ट


समितिक भूमि पुजन भेल संपन्न।

दिनांक २३ अप्रील, २०१६ शनि दिन पंडीत श्री श्रवन झा (आचार्य), जीक सानिध्य में भोरे ७.०० बजे सँ भव्य पुजा आ अर्चना'क संग संपन्न भेल समितिक भूमि पुजन कार्यक्रम। मुख्य संकल्प कर्ता रहैथ समितिक संरझक सदस्य आ वरिष्ठ विचारक श्री भागेश्वर झा ।
उक्त कार्यक्रम में उपस्थित रहैथ सर्वश्री अरुण कुमार सींह, नीरज कुमार झा, बद्रीनाथ झा, शिव चन्द्र झा, प्रभाकर झा, गोपाल मिश्रा, जय कुमार मिश्रा, नरेश मिश्रा, नरेश झा, जयनाथ झा, बालेश्वर झा, रंजीत कुमार झा, अमित कुमार झा, दिपक कुमार झा आ अशर्फी ठाकुर। पुजा अर्चना'क पश्चात चाय आ प्रसाद वितरण भेल आ तकरा बाद श्री ईश्वर चंद्र झा जीक बनाओल मैथिली पान गाल में गलोठने ठोर लाल करैत आ अपना में सब सदस्य हँसी-ठट्ठा करैत अपन-अपन काज-राज में लागि गेला।

प्रस्तुत अछि किछु छाया-चित्र........

































Monday, 18 April 2016

मासिक बैसार- अप्रील २०१६ केर आमंत्रण दिनांक- २४.०४.२०१६, सांझ ६.०० बजे सं ८.०० बजे धरि, खाबर घर'क उपरका कक्ष"

अति आवश्यक मासिक बैसार आगामि २४ अप्रील २०१६ सांझ .०० बजे सऽ .०० बजे धरि, खाबार घर उपरका तल्ला पर


आगामि रविदिन दिनांक २४ अप्रील २०१६ अर्थात अहि मासक अंतिम रवि, सांझ ६.०० बजे सऽ ८.०० बजे धरि रुपसी बांगला (खाबर घर’क उपरका कक्ष) में मासिक बैसार’क आयोजन अछि ।

जेना की अपने लोकनि के ज्ञात अछि जे आगामि १४ मई आ १५ मई’ २०१६ दु-दिना विराट कार्यक्रम’क आयोजन अछि, ताई हेतु उक्त बैसार सम्पुर्ण रुप सऽ मात्र अहि समारोह सऽ समबंधित रहत ।

उक्त बैसार दु चरण में बांटल गेल अछि ।

प्रथम चरणः-       समय -  ठीक ६.०० बजे सऽ ७.०० बजे धरि।
उक्त बैसार में निम्नलिखित बात पर विचार-विमर्श होएत…
१.       कार्यक्रमक अंतिम आ निर्णायक रुपरेखा
२.       कोषक वर्तमान स्थिति आ उगाही
३.       कर्यक्रमक दौरान विभिन्न कार्यक्षेत्रक उत्तरदायित्व
४.       विभिन्न

दोसर चरणः-      समय – ठीक ७.०० बजे सऽ ८.०० बजे धरि।

उक्त बैसार में युवा Volunteers आ कार्यकर्ता लोकनिक लेल समारोह’क दौरान हुनक दायित्व आ कार्यक दिशा निर्देश पर विस्तृत विचार आ निर्णय लेल जाएत।

 

अहि बैसार में जाहि युवा Volunteers के सम्मिलित करबाक अछि ताहि युवा लोकनि के रंजीत झा (पप्पू), दीपक ठाकुर आ अमित झा केर मार्फत फराक रुप सऽ सेहो सुचित कएल जाएत।

 

समितिक समस्त सदस्य आ मैथिल शुभेच्छू लोकनि सऽ आग्रह जे उक्त बैसार में निश्चित रुप सँ आबी आ कार्यक्रम के सफल बनेबा में अपन सुझाव आ विचार प्रेषित करी।

 

तहन करबद्ध आग्रह जे सब गोटे समय के अख्यास राखी आ निश्चित समय पर आबि अपनो समय आ अनको समय के सम्मान देबाक प्रयास करी।

 

धन्यवाद

शिव चन्द्र झा


महासचिव, मि. न. चे. स.

Wednesday, 13 April 2016

दिनांक १४ मई आ १५ मई २०१६ कऽ आयोजित समारोहक हकार

मिथिला  नव -चेतना  समिति'क विराट  आ भव्य समारोह में अपने सब गोटे सबन्धु-बांधव, सपरिवार आ धीया -पुता 'क  संग सादर आमंत्रित छी।