चेतना समारोह दिनांक १५/०८/२०१६, सोम दिन बेरुपहर ३ बज सँ
सब वरखक तरहें समिति अहू बेर अपन अष्ठम् स्थापना दिवसक सुअवसर पर आयोजित कऽ रहल अछि "चेतना समारोह"
उक्त आयोजन दू सत्र में बाँटल गेल अछि।
प्रथम सत्र में समिति द्वारा प्रकाशित वार्षिक स्मारिका "नव-चेतना" क ६ ठ्म अंक एवम् वरिष्ठ साहित्यकार श्री उमाकान्त झा "बक्सी" जी'क रचित पहिल मैथिली कविता संग्रह "आखरि-आखरि प्रीत" क विमोचन, वर्ष २०१६-१७ केर कार्य-कारिणि सदस्यक औपचारिक उद्घोषना आ विद्वत भाषण-अभिभाषण।
दोसर सत्र में आयोजित अछि भव्य आ क्षमटगर कवि-सम्मेलन।
कार्यक्रम बेरुपहर ३ बजे सँ आरम्भ हैत। कार्यक्रम स्थानिय "रुपसी बांगला" (खाबर-घर, रेलवे स्टेशन लग) में आयोजित अछि।
अपने सब साहित्य-प्रेमी, मिथिला-मैथिली स्नेही, कवि, साहित्यकार, समालोचक, लेखक आ श्रोता लोकनि सादर आमंत्रित छी।
भवदिय
शिवचन्द्र झा, सचिव
मिथिला नव-चेतना समिति

No comments:
Post a Comment