Friday, 16 August 2024

मिथिला नव चेतना समिति द्वारा मिथिला-भवन पर १५ अगस्त २०२४ कऽ मनाओल गेल चेतना समारोह

 विगत काल्हि दिनांक १५ अगस्त २०२४, वृहस्पति दिन भोर ९.०० बजे सँ मिथिला नवचेतना समिति द्वारा निर्मित “मिथिला-भवन” पर समितितिक १६हम स्थापना दिवस ओ ७८तम् स्वतंत्रता दिवस  पर आयोजित छल “चेतना-समारोह”।

समितिक वर्तमान अध्यक्ष श्रीमान बद्री नाथ झा जी द्वारा समिति परिसर में धव्जारोहन कएल गेल। तत्पश्चात कवि-कोकिल बाबा विद्यापति रचित भगवती आराधना “जय जय भैरवि…….” गीतक समवेत गायन सँ कार्यक्रम केँ शुभारम्भ भेल। उक्त अवसर पर मंचस्थ पाहुन छलाह सर्वश्री महेंद्र नारायण झा, भवनाथ झा, राजेंद्र झा, शिवचन्द्र झा, बद्री नाथ झा ओ नीरज झा। समस्त अतिथी एवं दर्शक दिर्घा में उपस्थित विशेष सदस्य ओ मैथिल सिनेही एहि अवसर पर अपन वक्तव्य रखलनि एवं समितिक वर्तमान कार्यशैलीक प्रसंशा करैत आगुक लेल सेहो बधाई प्रेषित कएलाह।

उक्त कार्यक्रम में आर. जी. कर अस्पताल में भेल विभत्स दुर्घटना केँ विरोध मे ओ मृत डागदर बेटी’क आत्माक शांतिक लेल एक मिनट केँ मौन धारण कऽ परमपिता परमेश्वर सँ प्रार्थना कएल गेल।

वर्तमान कोषाध्यक्ष श्रीमान शैलेंद्र ठाकुर जी द्वारा विगत वर्षक आय-व्यय केर ब्योरा प्रस्तुत कएल गेल। एवं संगहि नव कार्यकारिणीक घोषणा सेहो भेल। ध्यातव्य हो जे समिति द्वारा प्रत्येक वर्ष १५ अगस्त कऽ नव कार्यकारिणी केर घोषणा होईत रहल अछि, एहि बेर अध्यक्ष, सचिव ओ कोषाध्यक्ष केर निर्णय उपस्थित सदस्य द्वारा चुनावी प्रक्रियाक माध्यमे भेल छल, जाहि में अध्यक्ष श्री कालीकांत मिश्र, सचिव श्री रंजीत कुमार झा एवं कोषाध्यक्ष श्री तपेश्वर चौधरी जी चुनल गेलाह। नव कार्यकारिणी केँ समस्त सदस्य द्वारा बधाई एवं आगुक लेल शुभकामना प्रेषित कएल गेल, संगहि नव कार्यकारिणी अपन दायित्वक निर्वाह लेल प्रतिबद्धता देखेलनि एवं आगामि दिन में समितिक क्रिया-शैलीक परिकल्पना सँ अवगत करौलन्हि।

कार्यकर्म में युवा गायक रोशन झा अपन गायन सँ सबकेँ मंत्रमुग्ध कऽ देलनि। उक्त अवसर पर समितिक लेल समर्पित युवा ओ कर्मठ कार्यकर्ता सर्वश्री दिलिप भगत, ललन झा, रोशन मिश्र, साजन झा, दिपक झा, नीरंजन सींह जी केँ विशेष संवर्धना कएल गेल।

एहि कार्यक्रम में रिषराक समस्त मैथिल समाजक जुटान बेस झमटगर छल। अंत में श्री बद्री नाथ झा जी  द्वारा अध्यक्षिय भाषण एवं अल्पाहार'क संग एहि कार्यक्रमक समाप्तिक घोषणा भेल।

एहि कार्यक्रमक सफल संचालन युवा सदस्य ओ रंगकर्मी रंजीत कुमार झा जी द्वारा कएल गेल।