Wednesday, 11 September 2019

समिति द्वारा आयोजित भेल सामुहिक रुद्राभिषेक

विगत 8 सितम्बर 2019 क' मिथिला नव चेतना समिति द्वारा आयोजित भेल सामुहिक महा रुद्राभिषेक।
उक्त कार्यक्रम मे एग्यारह गोट जजमान संकल्प केलन्ही। मुख्य जजमान छलाह समितिक अध्यक्ष श्रीमान अरुण कुमार सिंह। जहन की जजमान छलाह सपत्नी सर्वश्री नरेश झा, अमोल झा, तपेश्वर चौधरी, नरेश मिश्र (चेयरमेन साहाब), शैलेंद्र ठाकुर, भवनाथ झा, बद्री नाथ झा, इन्द्र कान्त झा, पंकज कुमार झा आ शिव चंद्र झा जी।
उक्त कार्यक्रम भोर 10 बजे सँ एग्यारह गोट विद्वत पण्डित लोकनिक मंत्रोच्चारण सँ शुभारंभ भेल।
देवाधीदेव महादेवक अभिषेक, रुद्रीपाठ आ स्तुतिक उपरान्त दोसर सत्र मे भजन कीर्तनक विराट आ झमटगर कार्यक्रम भेल जाहि मे नाल वादक आ आमंत्रित भजन गायक लोकनि अपन अद्भुत आ अद्वितीय प्रस्तुति सँ मिथिला भवन परिसर कें भजनामृत सँ सराबोर क' देलनि।
कार्यक्रम मे उपस्थित श्रद्धालुक भीड़ आ उमंग अहि बातक प्रमाण छल जे आयोजन सफलताक शीर्ष छुलक आ संगहि अहि तरहक कार्यक्रमक आयोजन करैत रहबाक संदेश सेहो भेटल।
अहि क्रम मे हमर सबहक युवा सदस्य आ उभरैत मैथिली गायक प्रकाश झा आ रोशन झा के प्रस्तुति बेस सराहल गेल।
कार्यक्रम केर तेसर चरण महाप्रसादक वितरण छल।
उक्त कार्यक्रम कें सफल बनेबा मे युवा सदस्य साजन झा, सुमन झा, अमित कुमार झा, दीपक ठाकुर, ललन झा, कमलेश झा, रोशन मिश्र, मनीष झा, रोशन चौधरी, रंजन झा, निरंजन कुमार आदि केर भुमिका सराहनीय छल।
कार्यक्रम कें सफल संयोजन करबा मे समितिक अध्यक्ष श्री अरुण सिंह, सलाहकार समितिक वरिष्ठ आ संस्थापक सदस्य श्री बद्रीनाथ झा, श्री शिव चंद्र झा, सचिव श्री नीरज झा कोषाध्यक्ष श्री शैलेंद्र ठाकुर जीक संग सहसचिव नरेश मिश्र, रंजीत कुमार झा आ ईश्वर चंद्र झा जी विशेष सक्रिय रहथि।

उक्त कार्यक्रम केर छाया चित्र।






























No comments:

Post a Comment