Saturday, 20 April 2019

विशेष आग्रह


जेना की अपने सब गोटे कें बुझल आछि जे आगामि दिन मे अपना सबहक क्षेत्र मे सेहो लोकसभा चुनाव होमय जा रहल अछि। हमरा सब सेहो अपन अपन मतदानक उपयोग करैत आबि रहल छी अहु बेर करब। मुदा तैयो आंहाँक समाज वा आंहांक संगठन राजनैतिक रूपे सदिखन  अबडेरले रहैत अछि। जँ एक आध प्रतिशत लोक कें छोरि देल जैय ' व्यक्तिगत रुपे सेहो हमरा लोकनि कें कोनो राजनेता वा राजनीतिक दल मे कोनो विशेष मोजर नहि। जहन की मतदाता कें हिसाबे हमरा लोकनिक जनसंख्या कोनो कम नहि आंकल जा सकैत अछि। आस्तु
आगामि रविदीन दिनांक 21 अप्रैल 19, साँझू पहर 5:00 बजे सँ आगामि लोकसभा चुनाव कें ध्यान मे राखैत "मिथिला भवन" पर विशेष बैसारक आयोजन कएल गेल अछि।
उक्त बैसार मे हमरा लोकनि बेसी सँ बेसी जनसंख्या मे आबि अपन सांगठनिक एकता कें परिचय दी राजनैतिक दल कें अपन मजगुत सशक्त उपस्थितिक भान सेहो कराबी। जाहि सँ आवश्यकता परला पर हमर सबहक कोनो अधिकार वा माँग के कपट' मे कोनो राजनैतिक दल के असहजता महशुस होनि भविष्य मे अपन घोषणा पत्र मे हमर सबहक हित केर मुद्दा सेहो घोसियाबथि।
आशा नहि पुर्ण विश्वास अछि जे अपने सब गोटें उक्त बैसार मे उपस्थित ' राजनैतिक चेतना कें जागृत करबा मे अपन अमुल्य सहयोग समर्थन भेंट करबै।
निवेदक
अरुण कुमार सिंह,, अध्यक्ष
मिथिला नव चेतना समिति, रिषड़ा