Sunday, 20 December 2015

दिनांक २० दिसंबर'२०१५ कऽ भेल समितिक रविवारिय क्षेत्रिय भ्रमन।

काल्हि भेल समितिक रविवारिय क्षेत्रिय भ्रमन। 
****************************
काल्हि दिनांक २०/१२/२०१५ ओफिसक झुर-झमेला सँ निश्चिंतक दिन माने रविदिन छलै।

६ दिन भोर सँ राति धरि कार्यालय'क काज सँ थाकल, ताहू पर जॅ आउट-स्टेश्न रही त’ बुझु दुर्गतिये अछि, आ तैय पर एहि ६ दिन में घर’क ततेक रास फर्मायॅस पेंडींग भ’ जाय छै जे पूछू नहिं। एहन अवस्था में रविदिन अबिते लोक या त’ घर’क पेंडींग फर्माइस पुरा करॅ में लागि जाइ छथि आ की मोन होइत रहैत छनि जे भरिदिन घरे पर आराम करैत रही।

लेकिन श्रीमान, एहनो दिन में अहि सब सँ फराक समितिक किछू संकल्पित आ कर्मठ सदस्य भोर सँ सांझ धरि अपन रवि समितिक वास्ते सुपुर्द केलनि।

भोर ११ बजे सँ साँझ ३ बजे धरि समितिक अध्यक्ष श्री कालिकांत मिश्र, सचिव श्री शिव चंद्र झा, पुर्व सचिव एवं वरिष्ठ सलाहकार सदस्य श्री बद्रीनाथ झा आ समितिक वरिष्ठ कार्यकारिणि सदस्य श्री नरेश झा ४न०. हाउसींग आ प्रभासनगर क्षेत्रक भ्रमण करैत रहलाह। भ्रमण के क्रम में समितिक आगुक परिकल्पनाक बहुत रास गप्प आ विचार विमर्श भेल, आहि क्रम में साँझ ८ बजे रिषरा पौरसभा प्रधान श्री शंकर शाव जी सँ भेंट करबाक विचार भेल। निर्धारित समय पर समितिक आर सदस्यक संग शंकर बाबू सँ भेंट कएल गेल आ हुनका मार्फत बहूत तरहें सहयोगक आश्वाश्न भेटल। अहि क्रम में सदस्य लोकनि कें रातुक १०.३० बाजि गेल, तदुपरान्त सब सदस्य अपन अपन घर’क बाट धेला।

बहुत रास कारण सँ कल्हुका मेहनति समितिक हित में सफल रहल, आशा करै छी जे ई क्रम एनाही अगुआइत रहत आ हमरा लोकनिक परिकल्पना साकार हैत।

ओना जिनका घर में सुतबाक छेलनि से सुतबे केलनि, आ ठीक समय पर अपन ज्ञानक पोटरी सँ ज्ञानो बँट्बे करता, नियम-कानुन छँटबे करता, उपराग-उलहन देबै करता।

पुरनका लोक कहि क’ गेल छथि- “ चालि-प्रकृत आ पैरक बेमै तिनु लोक’क संगे जाइ छै।

काल्हुका भ्रमण'क वास्ते सब सम्मिलित सदस्य के धन्यवाद।।

Sunday, 13 December 2015

मासिक बॅसार- दिसंबर'२०१५ केर रीपोर्ट

बॅसार में उपस्थित सदस्यगण
काल्हि दिनांक १३ दिसंबर २०१५, रविदिन समितिक मासिक बॅसार भेल, समय सांक्ष ६.०० बजे सऽ ८.०० बजे धरि निर्धारित छल। बेर बेर अनुरोध केलाक पश्चातो सदस्य लोकनि अपने समय सऽ आबॅत गेला जाहि कारणे बॅसारक ऑपचारिक आरंभ लगभग १ घंटा विलंब आर्थात ७.०० बजे सऽ प्रारंभ भेल। समय सऽ मात्र ४ गोट सदस्य उपस्थित रहॅथ, आस्तु…..
बॅसार में उपस्थित सदस्यगण
बॅसारक ऑपचारिक संचालन समितिक वरिष्ठ सलाहकार सदस्य आ पुर्व सचिव श्री बद्रीनाथ झा जी केलनि। बॅसार में अनवरत रुपे पुरा १ घंटा धरि बहुत रास गप्प पर विचार-विमर्श, मंथन आ परामर्श लेल गेल जे मुख्य रुप सऽ एहि प्रकारे अछि-

  १.      समितिक वर्तमान पदाधिकारिक निष्क्रियता बॅसारक प्रारंभिक आ मुख्य मुद्धा रहल। 

  २.      बॅसार में निर्णय भेल गप्पे टा मान्य हॅत। रोड-घाट, बऽस-ट्रेन में चर्चा भऽ सकॅत अछि मुदा निर्णय नहिं। किनको मोन में समिति सऽ सम्बंधित कोनो तरहक गप्प के फरिछॉटक लेल मासिक बॅसार आयोजित अछि, तद्परान्त जऽ मामला अति गम्भिर होइ त़ऽ विशेष बॅसारक आयोजन सेहो भऽ सकॅत अछि।

  ३.  जमिन किनबा में जे देनदारी अछि तकरा पुर्ण करबा लेल सब सदस्य सऽ ५,०००/- टाकाक अतिरिक्त भार देल गेल छलनि से राशि सब सदस्य अति शिघ्र दऽ दॅथ ताहि पर विशेष जोर देल गेल।

  ४.  एहन सदस्य जिनका ओहिठाम समिति सऽ सम्बन्धित कोनो तरहक राशि बकाया छनि जेना.. सदस्यता शुल्क, बकाया स्वॅच्छिक स्वीकृति अनुदान आदि। तिनका लोकनि सऽ ओहि राशिक अति शिघ्र भुगतानक प्रयास।

एहन तरहक आर बहुत अन्य-अन्य गप्प पर विचार-विमर्श भेल, बॅसार में उपस्थित रहॅथ सर्वश्री भुवनेश्वर झा, प्रभाकर झा, भवनाथ झा, जय कुमार मिश्र, शिवचन्द्र झा, निरज झा, नरेश मिश्र, नरेश झा, सुमन कुमार दास, अरविंद झा, रंजीत कुमार झा आ अन्य… 
बॅसार में उपस्थित सदस्यगण
आगामि बॅसार ३१/०१/२०१६ कऽ आयोजित हॅत, सब सदस्य लोकनि सऽ आग्रह जे उक्त बॅसार में समय सऽ उपस्थित होइ।


धन्यवाद॥

Friday, 11 December 2015

मासिक बैसार- दिसंबर (दिनांक- १३दिसम्बर २०१५) केर आमंत्रण

" समितिक मासिक बैसार १३दिसम्बर २०१५ कॅ आयोजित अछि। "
***************************
जेना कि अपने लोकनि के बुझल अछि, तत्पश्चात एक बेर फेर सँ अख्यास परबाक मादे अपने लोकनि के सुचित कॅ दी जे काल्हि अर्थात १३ दिसम्बर २०१५, रविदिन सांझ ६:०० बजे सँ राति ८:०० बजे धरि खाबर घरक उपरका तल्ला पर ( रूपसी बांगला), समितिक मासिक बैसारक आयोजन अछि अपने सब सदस्य लोकनि सँ आग्रह जे उक्त बैसार में समय सँ उपस्थित होइ।
संगहि सब गोटे सँ आग्रह जे उक्त सुचना के सब सदस्य तक पहुँचेबाक उद्धेश्य सँ एक दोसर के सेहो सुचित कॅ दी।
धन्यवाद