Monday, 9 August 2021

समितिक १३हम् स्थापना दिवस ओ ७४ तम् स्वतंत्रता दिवस पर चेतना समारोह में अपने सादर आमंत्रित छी।

 अपने समस्त बंधु-बांधव सँ आग्रह जे आगामि १५ अगस्त २०२१, रविदिन भोर ८.३० बजे मिथिला भवन पर उपस्थित भऽ एहि आयोजन कें सफल करी।


Thursday, 18 March 2021

दिनांक २८ मार्च २०२१, रविदिन मिथिला भवन पर आयोजित अछि "होली-हुरदंग"

आदरणीय सदस्यगण ओ मैथिल सिनेही प्रीय बन्धु लोकनि,

अपने सब गोटें केँ सुचित करैत अपार हर्ष भऽ रहल अछि जे आगामि रविदिन दिनांक २८ मार्च २०२१ कऽ बेरुपहर ३ बजे सँ अपना सबहक "मिथिला-भवन" पर भव्य होली-हुरदंग केर आयोजन भऽ रहल अछि। उक्त कार्यक्रम में कोलकाता'क सुप्रसिद्ध मैथिल भजन-गायक द्वारा झमटगर कीर्तन-भजन केर संग होलीक पारम्परिक गीत -नादक उतकृष्ट कार्यक्रम निर्धारित अछि। एहि कार्यक्रम में सब वर्षक भाँति अहु बेर नव-चेतना स्पेशल ठंडई ओ अल्पाहारक विशेष व्यवस्था सेहो राखल गेल अछि। अतएव पुनः अपने सब सिनेही लोकनि सँ आग्रह जे उक्त कार्यक्रम में आबि फगुआ ओ बसंत केर अनुपम आनंद ली आ पुष्प-फागु खेला कऽ सराबोर भऽ जाई।