Sunday, 20 December 2015

दिनांक २० दिसंबर'२०१५ कऽ भेल समितिक रविवारिय क्षेत्रिय भ्रमन।

काल्हि भेल समितिक रविवारिय क्षेत्रिय भ्रमन। 
****************************
काल्हि दिनांक २०/१२/२०१५ ओफिसक झुर-झमेला सँ निश्चिंतक दिन माने रविदिन छलै।

६ दिन भोर सँ राति धरि कार्यालय'क काज सँ थाकल, ताहू पर जॅ आउट-स्टेश्न रही त’ बुझु दुर्गतिये अछि, आ तैय पर एहि ६ दिन में घर’क ततेक रास फर्मायॅस पेंडींग भ’ जाय छै जे पूछू नहिं। एहन अवस्था में रविदिन अबिते लोक या त’ घर’क पेंडींग फर्माइस पुरा करॅ में लागि जाइ छथि आ की मोन होइत रहैत छनि जे भरिदिन घरे पर आराम करैत रही।

लेकिन श्रीमान, एहनो दिन में अहि सब सँ फराक समितिक किछू संकल्पित आ कर्मठ सदस्य भोर सँ सांझ धरि अपन रवि समितिक वास्ते सुपुर्द केलनि।

भोर ११ बजे सँ साँझ ३ बजे धरि समितिक अध्यक्ष श्री कालिकांत मिश्र, सचिव श्री शिव चंद्र झा, पुर्व सचिव एवं वरिष्ठ सलाहकार सदस्य श्री बद्रीनाथ झा आ समितिक वरिष्ठ कार्यकारिणि सदस्य श्री नरेश झा ४न०. हाउसींग आ प्रभासनगर क्षेत्रक भ्रमण करैत रहलाह। भ्रमण के क्रम में समितिक आगुक परिकल्पनाक बहुत रास गप्प आ विचार विमर्श भेल, आहि क्रम में साँझ ८ बजे रिषरा पौरसभा प्रधान श्री शंकर शाव जी सँ भेंट करबाक विचार भेल। निर्धारित समय पर समितिक आर सदस्यक संग शंकर बाबू सँ भेंट कएल गेल आ हुनका मार्फत बहूत तरहें सहयोगक आश्वाश्न भेटल। अहि क्रम में सदस्य लोकनि कें रातुक १०.३० बाजि गेल, तदुपरान्त सब सदस्य अपन अपन घर’क बाट धेला।

बहुत रास कारण सँ कल्हुका मेहनति समितिक हित में सफल रहल, आशा करै छी जे ई क्रम एनाही अगुआइत रहत आ हमरा लोकनिक परिकल्पना साकार हैत।

ओना जिनका घर में सुतबाक छेलनि से सुतबे केलनि, आ ठीक समय पर अपन ज्ञानक पोटरी सँ ज्ञानो बँट्बे करता, नियम-कानुन छँटबे करता, उपराग-उलहन देबै करता।

पुरनका लोक कहि क’ गेल छथि- “ चालि-प्रकृत आ पैरक बेमै तिनु लोक’क संगे जाइ छै।

काल्हुका भ्रमण'क वास्ते सब सम्मिलित सदस्य के धन्यवाद।।

Sunday, 13 December 2015

मासिक बॅसार- दिसंबर'२०१५ केर रीपोर्ट

बॅसार में उपस्थित सदस्यगण
काल्हि दिनांक १३ दिसंबर २०१५, रविदिन समितिक मासिक बॅसार भेल, समय सांक्ष ६.०० बजे सऽ ८.०० बजे धरि निर्धारित छल। बेर बेर अनुरोध केलाक पश्चातो सदस्य लोकनि अपने समय सऽ आबॅत गेला जाहि कारणे बॅसारक ऑपचारिक आरंभ लगभग १ घंटा विलंब आर्थात ७.०० बजे सऽ प्रारंभ भेल। समय सऽ मात्र ४ गोट सदस्य उपस्थित रहॅथ, आस्तु…..
बॅसार में उपस्थित सदस्यगण
बॅसारक ऑपचारिक संचालन समितिक वरिष्ठ सलाहकार सदस्य आ पुर्व सचिव श्री बद्रीनाथ झा जी केलनि। बॅसार में अनवरत रुपे पुरा १ घंटा धरि बहुत रास गप्प पर विचार-विमर्श, मंथन आ परामर्श लेल गेल जे मुख्य रुप सऽ एहि प्रकारे अछि-

  १.      समितिक वर्तमान पदाधिकारिक निष्क्रियता बॅसारक प्रारंभिक आ मुख्य मुद्धा रहल। 

  २.      बॅसार में निर्णय भेल गप्पे टा मान्य हॅत। रोड-घाट, बऽस-ट्रेन में चर्चा भऽ सकॅत अछि मुदा निर्णय नहिं। किनको मोन में समिति सऽ सम्बंधित कोनो तरहक गप्प के फरिछॉटक लेल मासिक बॅसार आयोजित अछि, तद्परान्त जऽ मामला अति गम्भिर होइ त़ऽ विशेष बॅसारक आयोजन सेहो भऽ सकॅत अछि।

  ३.  जमिन किनबा में जे देनदारी अछि तकरा पुर्ण करबा लेल सब सदस्य सऽ ५,०००/- टाकाक अतिरिक्त भार देल गेल छलनि से राशि सब सदस्य अति शिघ्र दऽ दॅथ ताहि पर विशेष जोर देल गेल।

  ४.  एहन सदस्य जिनका ओहिठाम समिति सऽ सम्बन्धित कोनो तरहक राशि बकाया छनि जेना.. सदस्यता शुल्क, बकाया स्वॅच्छिक स्वीकृति अनुदान आदि। तिनका लोकनि सऽ ओहि राशिक अति शिघ्र भुगतानक प्रयास।

एहन तरहक आर बहुत अन्य-अन्य गप्प पर विचार-विमर्श भेल, बॅसार में उपस्थित रहॅथ सर्वश्री भुवनेश्वर झा, प्रभाकर झा, भवनाथ झा, जय कुमार मिश्र, शिवचन्द्र झा, निरज झा, नरेश मिश्र, नरेश झा, सुमन कुमार दास, अरविंद झा, रंजीत कुमार झा आ अन्य… 
बॅसार में उपस्थित सदस्यगण
आगामि बॅसार ३१/०१/२०१६ कऽ आयोजित हॅत, सब सदस्य लोकनि सऽ आग्रह जे उक्त बॅसार में समय सऽ उपस्थित होइ।


धन्यवाद॥

Friday, 11 December 2015

मासिक बैसार- दिसंबर (दिनांक- १३दिसम्बर २०१५) केर आमंत्रण

" समितिक मासिक बैसार १३दिसम्बर २०१५ कॅ आयोजित अछि। "
***************************
जेना कि अपने लोकनि के बुझल अछि, तत्पश्चात एक बेर फेर सँ अख्यास परबाक मादे अपने लोकनि के सुचित कॅ दी जे काल्हि अर्थात १३ दिसम्बर २०१५, रविदिन सांझ ६:०० बजे सँ राति ८:०० बजे धरि खाबर घरक उपरका तल्ला पर ( रूपसी बांगला), समितिक मासिक बैसारक आयोजन अछि अपने सब सदस्य लोकनि सँ आग्रह जे उक्त बैसार में समय सँ उपस्थित होइ।
संगहि सब गोटे सँ आग्रह जे उक्त सुचना के सब सदस्य तक पहुँचेबाक उद्धेश्य सँ एक दोसर के सेहो सुचित कॅ दी।
धन्यवाद

Monday, 23 November 2015

समितिक नवंबर आ दिसंबर मासक मासिक बॅसार सम्मलित रुप सँ १३/१२/२०१५, कऽ निर्धारित भेल अछि॥


आवश्यक सुचना !     आवश्यक सुचना !  
********------------*********-----------********* 

२९ नवंबर २०१५ आ २७ दिसंबर २०१५ जे नवंबर आ दिसंबर मासक मासिक बैसारक तिथि छल तकरा सम्मलित रूप सँ दिनांक १३ दिसंबर २०१५, रविदिन साँझ ६:०० सँ ८:०० बजे निर्धारित कएल गेल अछि।। 


जेना की अपने सब गोटे के ज्ञात अछि जे आगामि २९ नवंबर, २०१५ रविदिन साँझ ४:३० बजे सँ मिथिला कल्याण परिषद् द्वारा विद्दापति स्मृति पर्व समारोहक ३३तम् आयोजन वाणी भारती विधालय प्रांगण, रिषरा में एवं २७ दिसम्बर २०१५ रविदिन साँझ ५:०० बजे सँ मिथियात्री झंकार द्वारा कलाकुंज, कोलकाता में मैथिली नाटक आयोजित अछि। 
उक्त कार्यक्रम के ध्यान में राखैत समितिक नवंबर आ दिसंबरक मासिक बैसार १३ दिसंबर २०१५ रविदिन साँझ ६:०० सँ ८:०० निर्धारित कएल गेल अछि। 

अपने सब गोटे सँ विनम्र निवेदन जे उक्त कार्यक्रम में सबंधु-बांधव उपस्थित होइ, आ संगहि समितिक नवंबर आ दिसंबर दुनु मासक मासिक बैसार अर्थात १३ दिसंबर २०१५ में निश्चित रूप सँ अपन उपस्थिति दर्ज कराबी।। 

संगहि आग्रह जे सब गोटे अहि संदेश के समस्त सदस्यक माझ प्रसारित करी।। 

धन्यवाद ।

शिवचन्द्र झा, सचिव

Wednesday, 28 October 2015

तेसर मासिक आम बैसार- अक्टुबर'१५ (दिनांक २५ अक्टुबर' २०१५) केर रीपोर्ट

समितिक तेसर मासिक आम बैसार भेल सम्पन्न।


बन्धुगण,

अपार हर्षक संग अहि गप्पक उल्लेख कॅ रहल छी जे अनवरत रुपे काल्हि २५ अक्टुबर २०१५ रविदिन सांझ ६:०० बजे सँ राति ८:०० बजे धरि समितिक तेसर मासिक आम बैसार सम्पन्न भेल।



समितिक सचिव श्री शिव चन्द्र झा जीक प्रस्ताव आ उपस्थित सब सदस्यक समर्थन सँ बैसारक अध्यझताक भार ग्रहण केलनि श्री इन्द्र कुमार मिश्र "इन्दु" जी।



अध्यझ महोदय सब सदस्य के विजय दसमिक शुभकामनाक संग बैसारक शुभारंम्भ केलनि। समितिक अध्यझ श्री कालीकान्त मिश्र जी बैसारक मुख्य उद्घेश्य पर प्रकाश दैत बजला जे मिथिला भवन हेतु जमिन किनबा में जे पौने दुलाख टाकाक देनदारी अछि तकरा सधेनाइ आ जमिन के भरेनाइ ई दुटा प्रमुख मुद्दा अछि एवं तकरा संगे संग नव सदस्य के जोरब, विज्ञापन जुटैब, आर बहुत रास समाजिक लाभ आ कारण सँ लोकक संग भेंट घांट आ हुनक दरबज्जा धरि जैब अति आवाश्यक अछि। ताहि क्रम में विगत बैसार में एकटा १५ सदस्यि कमिटिक निर्माण भेल जे प्रत्येक रवि कॅ भोर १०:०० बजे सँ दुपहरिया १:०० बजे धरि कोनो एकटा निर्धारित झेत्र में भ्रमण करता।

मुदा पुजा पाठक व्यस्तता में मात्र एक्कहि रवि कॅ इ भ्रमण संभव भॅ सकल। समितिक वरिष्ठ सलाहकार संरझक सदस्य श्री बद्रीनाथ झा जी भ्रमण पर विशेष जोर दैत बजला जे समितिक विकाश सम्पुर्ण समाजक सहयोगे सँ संभव अछि। हमरा गर्व अछि जे समिति मात्र ६ वर्षक अवस्था में अहि समाजक बलें मिथिला भवन हेतु जमिन किनी लेलक। ताहि हेतु हम समाजक प्रति अभारी छी। आ जँ समितिक परिकल्पना के सकार करबाक अछि तॅ अहि समाजक लग हम सब बेर बेर जैब आ जै परत आ ई सब सदस्यक दायित्व बनैत छनि जे समितिक उद्घेश्यक पुर्ती में अपन यथा संभव समयक योगदान दैथ। समिति किनको पुस्तैनी नहिं छनि। सबहक समान अधिकार अछि आ जँ अपने समान अधिकारक माने बुझैत होइ तँ तकरा संगे समान रुपे श्रम सेहो छै। "समान श्रम समान अधिकार"।

बैसार में उपस्थित रहैथ सर्वश्री इन्द्र कुमार मिश्र "इन्दु", काली कान्त मिश्र, शिव चन्द्र झा, बद्रीनाथ झा, श्रवण झा, जीतेन्द्र झा " बाबु साहाब", नरेश मिश्र, अरूण कुमार सिंह, बेदानन्द झा, जयकान्त झा, कृत नारायण झा, सुमन कुमार दास, रंजीत कुमार झा आ अन्य।

अल्पाहार चाह- पाइनक संग सब सदस्य के अध्यझ महोदय धन्यवाद ज्ञापन केलनि, तदुपरान्त बैसार अपन निर्धारित समय ठीक ८:०० बजे समाप्तिक घोषणा कएल गेल।
==================================================================================================================================================================

अहि ठाम एक बेर फेर सँ फरिझा कॅ कहि दी जे समितिक मासिक आम बैसार प्रत्येक मासक अन्तिम रविदिन सांझ ६:०० सँ ८:०० निर्धारित अछि। अहि ठाम समिति सँ संबंधित अपनेक कोनो तरहक प्रश्न, विचार, जानकारी आ सलाह आमंत्रित अछि।

आगामि बैसार तद्नुसार दिनांक २९/११/२०१५ कॅ निर्धारित अछि।


कोनो तरहक परिवर्तन भेला पर अपने लोकनि के whatsapp, facebook, blog आ नव चेतनाक २०१५-१६ केर समारिका में छपल सम्पर्क सुत्र पर SMS के माध्यम सँ सुचित कॅ देल जैत।

Monday, 28 September 2015

मासिक बैसार- सेपटेम्बर (दिनांक २७/०९/१५) केर रीपोर्ट

दिनांक-२७/०९/२०१५


  • समितिक सत्र २०१५-१६ केर द्वितीय मासिक बॅसार भेल सम्पन्न।
  • क्षेत्रिय भ्रमण आ सदस्यता अभियान लेल निर्माण भेल विशेष दल।



विगत २७/०९/२०१५, रविदिन सांझ ६ बजे सँ ८ बजे धरि समितिक मासिक बॅसार राखल गेल छल। इ बॅसार जे एक मास पुर्वहिं सँ सब गोटे के सुचित कएल गेल छल। जेना की पहिने सँ सुचित छल जे बॅसार अपन निर्धारित समय सीमा में बान्हल रहत ठीक ताहि अनुरुपे बॅसार अपन निर्धारित समय पर आरंभ आ अपन निर्धारित समय ठीक ८ः०० बजे समापनक घोषणा भेल। 

आजुक परिस्थिति जे सबहक लेल बेस व्यस्तताक जीवन अछि ६ दिन अनवरत रुपे कार्यालय आ तकरा बाद एक दिन रवि कऽ अवकाश, आ ताहि में दुनिया भरिक काज सर-कूटुम, नेना-बच्चा, डागदर-बॅध, पूजा-पाठ बजार-हाट, अगरम-बगरम........ नाना तरहक काज। जानि ने रवि कोना बिति जाइ छॅ, मुदा काजक क्रम बँचले रहि जाइत अछि। एहन स्थिति में जऽ लोक समय सँ काज के वर्गीकरण नहि करत तऽ बुक्षु जे सब काज ओझरा जॅत। अहि सब समस्या के देखॅत समिति एकटा ठोस कदम उठेलक आ बॅसार के समय सीमा में बान्हि देलक। निश्चित रुप सँ अहि में सब सदस्य के असाधारण सहयोग रहल आ बॅसार पहिल एहन बॅसार जे अपन समय सँ समापन भेल। इ छल अहि बॅसारक मुख्य विशेषता।

समिति अध्यक्ष श्री कालीकांत मिश्र जीक अध्यक्षता में बॅसार आरंभ भेल। तकरा बाद सचिव श्री शिवचन्द्र झा अहि बॅसारक मुख्य उद्धेश्य पर प्रकाश दॅत कहला जे अहि तरहक बॅसार सँ सब सदस्य कें अपन समिति-परिवारक संग आपसी भेंट-घांट होइत छनि जहि सँ समाजिक संबंध के बेस बल भॅटॅत अछि आ तहने आपसी विचारक आदान-प्रदान होइत अछि जाहि सँ बहराइत अछि क्रियात्मक आ रचनात्मक निर्णय जे समितिक उद्धेश्यक पुर्ति में सहायक होइत अछि।

बॅसार में मुख्य रुप सँ निम्न विषय पर विशेष चर्चा कएल गेल आ निर्णय लेल गेल जे- 

१. समितिके जमिन किनए में जे  उधारी लेबए परल तकरा चुकता करबाक लेल सब सदस्य सँ व्यक्तिगत ऋण  दऽ ओकर भरपाइ कएल जाय। तत्पश्चात जेना जेना समितिक कोष में टाका आऑत सबके चुकता कएल जॅत।

२.सदस्यता अभियान, समितिक अर्थिक मजगुती आ जन संपर्क बनेबाक उद्धेश्य सँ किछु सदस्यक एकटा फराक दलक निर्माण भेल जे प्रत्येक रवि कऽ बेरुपहर ११ः०० बजे सँ ०१ः०० बजे धरि रिषराक विभिन्न क्षेत्र में भ्रमण करता।

३. यथा शिघ्र जमीन के छाई/माटि वा राबीस सँ भेरेबाक लेल कोषक निर्माण।

४. सचिव श्री शिव चन्द्र झा द्वारा सब सदस्य सँ ३० अप्रील आ १ मई २०१६ कऽ उक्त जमीन पर भव्य कार्यक्रमक योजना बनेबाक विचार व्यक्त केलनि।


बॅसार में उपस्थित रहॅथ- सर्वश्री काली कान्त मिश्र, शिवचन्द्र झा, अरुण कुमार सिंह, भवनाथ झा, प्रभाकर झा, भुवनेश्वर झा, नरेश झा, जय कुमार मिश्र, बद्रीनाथ झा, नरेश मिश्र, रंजीत कुमार झा, शॅलेन्द्र ठाकुर, अरविंद झा, श्रवण झा आ बेदानन्द झा।

किछु सदस्य अनुपस्थित रहॅथ भरिसक व्यक्तिगत काजक ओझराहट रहल हेतॅनि, मुदा आशा करॅ छी जे ओहो लोकनि समितिक सत्र २०१५-१६ केर तेसर मासिक बॅसार दिनांक २५/१०/२०१५, रविदिन सांझ ६ः०० बजे सँ ८ः०० बजे धरि में निश्चित रुपे आबि अपन समाजिक उतरदायित्वक निर्वाह करता आ हमरा लोकनि सब गोटे मिलि कऽ समाज में नव-चेतना अनबाक लेल प्रयासरत रहब।

रीपोर्ट- मिथिला नव-चेतना समिति

Thursday, 24 September 2015

आमंत्रण २७ सेपटेम्बर, २०१५ सायं ६ बजे सँ ८ बजे धरि

मोन त् हेबॅ करत, तॅयो पुनः सब गोटे के मात्र अख्यास परेबाक उद्धेश्य सँ "सत्र २०१५-१६ केर द्वितिय मासिक आम बॅसार" में अपनेक आमंत्रण, नीवेदन आ अपेक्षा

========================================================================
समितिक मासिक आम बॅसार आगामि रविदिन दिनांक २७/०९/२०१५ सायं ६  बजे सँ ८ बजे धरि रुपश्री बांगला (खाबार घरक उपरका तल्ला पर) निर्धारित अछि।

समितिक सब सदस्य सह समाजक प्रति अपन दायित्व आ कर्तव्यनिष्ठ व्यक्तित्व  के अहि बॅसारक हकार अछि। समिति अपने सब गोटे सँ अहाँक बहुमुल्य समय सँ कने काल अजबाइर कऽ उक्त बॅसार में अपनेक गरिमामय उपस्थितिक अपेक्षा रखॅत अछि। अपने अपन उत्तम विचार आ सुक्षाव सँ समितिक परिकल्पना के साकार करी।
(ज्ञातव्य हो जे मासिक बॅसार प्रत्येक मासक अंतिम रवि कऽ निर्धारित कएल गेल अछि। उक्त बॅसारक उद्धेश्य अछि समिति सँ जुरल कोनो तरहक उपराग, सुझाव, सुचना, अग्रिम कार्य-कलापक विस्तरपुर्वक मंथन आ  उपयुक्त निर्णय।)


Thursday, 3 September 2015

प्रथम मासिक बॅसार- अगस्त १५ (३० अगस्त २०१५) केर रीपोर्ट

प्रथम मासिक बॅसार (सत्र १५-१६)

दिनांक- ३०/०८/२०१५                                                               समयः सायं ५ बजे

दिनांक ३० अगस्त २०१५, रविदिन सांय ५ बजे सऽ "रुपसी बांगला"- खाबर घरक चारिम तल्ला पर  कार्यकारिणि समितिक बॅसार भेल। बॅसारक अध्यक्षता श्री कालीकान्त मीश्र जी कएलनि। उक्त बॅसार में "चेतना समारोह-२०१५ केर विस्तार सऽ समिक्षा कएल गेल। तकरा बाद समारोहक आय-व्ययक ब्यॉरा देल गेल। समितिक अग्रिम कार्य आ विकाशक लेल सब सदस्य अपन-अपन वक्तव्य रखलनि। बॅसारक क्रम में कोषाध्यक्ष श्री रंजीत कुमार झा जिक प्रस्ताव जे समितिक बॅसार नियमित रुप सऽ भेला पर सब तरहक वाद-विवादक निपटारा आ संस्थाक विकाशक लेल उचित मार्गदर्शन भेटॅत रहॅत छॅ। तॅं प्रत्येक मासक अंतिम रविदिन कऽ सायं ६ बजे सऽ रात्रि ८ बजे धरि बॅसारक आयोजन हेबाक चाहि। अहि प्रस्ताव के उपस्थित सब सदस्य स्वागत कएलनि आ आगामि २७ सेपटेम्बर २०१५ रविदिन सायं ६ बजे सऽ रात्रि ८ बजे धरि उक्त स्थान पर बॅसारक निर्णय लेल गेल। उक्त बॅसार में उपस्थित छलाह- सर्वश्री  कालीकान्त मिश्र, शिव चन्द्र झा, भुवनेश्वर झा, अरुण कुमार सिंह, भवनाथ झा, प्रभाकर क्षा, जय कुमार मिश्र, बद्रीनाथ झा, अरविंद झा, श्रवण झा, सुरेन्द्र भंडारी, शॅलेन्द्र ठाकुर, सुमन कुमार दास, नरेश मिश्र, नरेश झा, रंजीत कुमार झा आ अन्य सदस्य।

समितिक सदस्य लोकनि सऽ आग्रह जे समितिक विषय में कोनो तरहक वाद-विवाद सऽ बांचि। वाद-विवादक लेल नियमित रुप सऽ बॅसारक आयोजन होइत रहत जाहि में अपने अपन सब तरहक बात के राखि सकब। संगहि जऽ कोनो सदस्य के समितिक लेल कोनो तरहक सुक्षाव, सलाह वा उपराग अछि तऽ निस्सन्देह समितिक अध्यक्ष, सचिव वा सलाहकार समितिक कोनो सदस्य के सुचित करी, समिति अहांक गप्पक गंभिरता पर विचार कऽ विशेष बॅसारक आयोजन करत आ उचित निर्णय लेल जाएत।

समिति अपन प्रत्येक कार्यक लेल पारदर्शी अछि। कोनो सद्स्य के जऽ कोनो तरहक जानकारी चाही तऽ समितिक सचिव के लिखित रुपे वा समितिक मेल पर आवेदन करी।

विशेषः-  समितिक मासिक बॅसार में समस्त सदस्य के समय सऽ उपस्थिति प्रार्थनिय अछि ।

Friday, 21 August 2015

चेतना समारोह -२०१५ केर रीपोर्ट

मिथिला नव-चेतना समिति मनओलक अपन स्थापना दिवस।

मिथिला नव-चेतना समिति मनओलक अपन स्थापना दिवस। 

  • रंजीत के व्यंगात्मक सञ्चालन स खुशनुमा रहल माहोल
  • साहित्यिक साँझ में कविताक दीप जरैत रहल 
  • विनय भूषण जी सोशल मीडिया पर साहित्यक पोस्ट पर दुःख व्यक्त केलाह 

हुगली : उपनगरिय क्षेत्र रिषरा में पनरह अगस्त कें अपन सातम स्थापना दिवस पर “चेतना समारोह” केर आयोजन भेल । मिथिला नव-चेतना समिति प्रत्येक वरख अहि दिन अपन स्थापना दिवसक सुअवसर पर ई आयोजन करैत अछि। कार्यक्रम दु सत्र में बाँटल गेल छल।

प्रथम सत्र वरिष्ठ रंगकर्मी आ मॅथिली नाट्य निर्देशक श्री भवनाथ झा जी की संचालन में शुरु भेल। कार्यक्रमक शुभारंभ श्री इश्वर चंद्र झा जी के मधुर कंठ सँ गाओल भगवति वंदना “जय-जय भैरवी.” सँ भेल। वरिष्ठ साहित्यकार श्री राम लोचन ठाकुर जीक द्वारा दिप-प्रज्जवलित आ कवि-कोकिल विद्यापति  प्रतिमा पर पुष्पांजलि अर्पणक संग कार्यक्रमक शुभ उद्घाटन भेल। प्रधान वक्ताक रुप में आमंत्रित छलाह कलम-योगी  श्री नविन चौधरी आ प्रधान अतिथि छलाह गजल श्रेष्ठ श्री राजीव रंजन मिश्र आ अध्यक्ष रहथि समितिक वरिष्ठ सदस्य श्री भवनाथ झा। उपस्थित पाहुन लोकनिक स्वागत, पूष्प गुच्छ आ स्वागत गान सँ कएल गेल। श्री इश्वर चंद्र झा जी द्वारा  दू-टा गीत प्रस्तुत कएल गेल जे बेस कर्णप्रिय आ सोहनगर रहल। अहि अवसर पर समिति अनवरत रुपे अपन पाँचम वार्षिक स्मारिका “नव-चेतना” क विमोचन श्री नवीन चौधरी जी द्वारा भेल। समितिक नव-कार्यकारिणि (२०१५-१६) केर उद्घोषना भेल जाहि में अध्यक्ष कालीकान्त मिश्र, उपाध्यक्ष भवनाथ झा, जयकुमार झा, नीरज झा, अरविन्द झा, सचिव शिवचंद्र झा एवं कोषाध्यक्ष रंजीत कुमार झा इत्यादि  आ समितिक अध्यक्ष श्री अरुण कुमार सिंह जीके समितिक प्रति हुनक समर्पण आ कार्यक लेल सचिव श्री बद्रीनाथ झा जी द्वारा पाग-दोपटा पहिरा विशेष सम्मान कएल गेल। समितिक वर्तमान अध्यक्ष श्री अरुण कुमार सिंह आ सचिव श्री बद्रीनाथ झा अपन अनुभव आ उपलब्धि कहलनि हुनका द्वारा जानकारी देल गेल जे विगत २६ फरवरी २०१५क समिति मिथिला भवन हेतु जमिन किनि लेलक आ आब सम्भवतः वर्ष २०१६ धरि ओहि पर निर्माण कार्य आरंभ भऽ जाएत। संगहि समितिक भावि अध्यक्ष श्री कालीकान्त मिश्र आ सचिव श्री शिवचन्द्र झा अपन परिकल्पना आ उद्गार व्यक्त केलनि। प्रधान अतिथि श्री राजीव रंजन मिश्र गजल केर माध्यम सँ अपन बात रखलनि। श्री नविन चौधरी जी मिथिला में पुर्व में भेल गलतीक व्याख्या आ वर्तमान में तकर प्रायश्चित आ सुधार करब आ अपन सही मुल्यांकनक प्रस्तुति पर जोर देलनि । श्री रामलोचन ठाकुर अपन लोक-वेद, पर-परिवार आ घर में मैथिली बजबाक लेल प्रेरित केलनि संगहि चिट्ठी-पत्री आ अपन पता लिखबा में “मिथिला” लिखबाक लेल कहलनि।  श्री भवनाथ झा जी समितिक कार्य आ उपलब्धि केर खुब सराहना केलनि।

कार्यक्रमक दोसर सत्र छल कवि सम्मेलनक अहि सत्रक अध्यक्षता श्रेष्ठ कवि श्री लक्ष्मण झा “सागर”
आ मंच संचालन श्री रंजीत कुमार झा "पप्पू" द्वारा कएल गेल। उक्त कवि सम्मेलन में अपन कविता पाठ कएलनि सर्वश्री उमा कान्त झा “बक्सी”, अनुप सत्यनारायण झा, चंदन झा, रुपेश त्योंथ, राजीव  रंजन मिश्र, विनय भुषण ठाकुर, आमोद झा, विजय इस्सर, अजय कुमार झा तिरहुतिया, मिथिलेश झा, गंगा झा, नबोनाथ मिश्र, अरुण कुमार सिंह आ रंजीत कुमार झा "पप्पू"।

विनय भूषण जी सोशल साइट पर निराशा व्यक्त करैत कहलनि जे सोशल साइट पर कविता बा कोनो आलेख पोस्ट भेला स भाषा क प्रचार-प्रसार त होइत अछि, मुदा पोथी रूप मे एकर एकटा अलगे महत्व अछि, जे अगिला पीढ़ी लेल संजोगी के राखल जा सकत। 

रंजीत कुमार झा "पप्पू" व्यंगातमक सञ्चालन स उपस्थित श्रोता के खूब हँसबैत रहला, श्रोता सेहो खूब थोपरी दैत रहल। कोलकाता में लोक इंतज़ार में रहै छैथ जे हिनक व्यंगात्मक कार्यक्रम सुनी-देखि। ई सुन्नर रंगकर्मी सेहो छैथ, कएकटा नाटक में हिनक निक भूमिका रहल अछि। अध्यक्षक धन्यवाद ज्ञापन आ फेर राष्ट्रगान “जन-गण-मन प्रस्तुतिक उपरांत कार्यक्रमक समापनक घोषणा कएल गेल।

Report  by-   नव मिथिला - maithili news Portal

आउ आब ओहि दिनका अर्थात दिनांक १५ अगस्त २०१५, शनि दिनका "चेतना समारोह"क किछु छाया चित्र सेहो देख ली।