दिनांक-२७/०९/२०१५
- समितिक सत्र २०१५-१६ केर द्वितीय मासिक बॅसार भेल सम्पन्न।
- क्षेत्रिय भ्रमण आ सदस्यता अभियान लेल निर्माण भेल विशेष दल।
विगत २७/०९/२०१५, रविदिन सांझ ६ बजे सँ ८ बजे धरि समितिक मासिक बॅसार राखल गेल छल। इ बॅसार जे एक मास पुर्वहिं सँ सब गोटे के सुचित कएल गेल छल। जेना की पहिने सँ सुचित छल जे बॅसार अपन निर्धारित समय सीमा में बान्हल रहत ठीक ताहि अनुरुपे बॅसार अपन निर्धारित समय पर आरंभ आ अपन निर्धारित समय ठीक ८ः०० बजे समापनक घोषणा भेल।
आजुक परिस्थिति जे सबहक लेल बेस व्यस्तताक जीवन अछि ६ दिन अनवरत रुपे कार्यालय आ तकरा बाद एक दिन रवि कऽ अवकाश, आ ताहि में दुनिया भरिक काज सर-कूटुम, नेना-बच्चा, डागदर-बॅध, पूजा-पाठ बजार-हाट, अगरम-बगरम........ नाना तरहक काज। जानि ने रवि कोना बिति जाइ छॅ, मुदा काजक क्रम बँचले रहि जाइत अछि। एहन स्थिति में जऽ लोक समय सँ काज के वर्गीकरण नहि करत तऽ बुक्षु जे सब काज ओझरा जॅत। अहि सब समस्या के देखॅत समिति एकटा ठोस कदम उठेलक आ बॅसार के समय सीमा में बान्हि देलक। निश्चित रुप सँ अहि में सब सदस्य के असाधारण सहयोग रहल आ बॅसार पहिल एहन बॅसार जे अपन समय सँ समापन भेल। इ छल अहि बॅसारक मुख्य विशेषता।
समिति अध्यक्ष श्री कालीकांत मिश्र जीक अध्यक्षता में बॅसार आरंभ भेल। तकरा बाद सचिव श्री शिवचन्द्र झा अहि बॅसारक मुख्य उद्धेश्य पर प्रकाश दॅत कहला जे अहि तरहक बॅसार सँ सब सदस्य कें अपन समिति-परिवारक संग आपसी भेंट-घांट होइत छनि जहि सँ समाजिक संबंध के बेस बल भॅटॅत अछि आ तहने आपसी विचारक आदान-प्रदान होइत अछि जाहि सँ बहराइत अछि क्रियात्मक आ रचनात्मक निर्णय जे समितिक उद्धेश्यक पुर्ति में सहायक होइत अछि।
बॅसार में मुख्य रुप सँ निम्न विषय पर विशेष चर्चा कएल गेल आ निर्णय लेल गेल जे-
१. समितिके जमिन किनए में जे उधारी लेबए परल तकरा चुकता करबाक लेल सब सदस्य सँ व्यक्तिगत ऋण दऽ ओकर भरपाइ कएल जाय। तत्पश्चात जेना जेना समितिक कोष में टाका आऑत सबके चुकता कएल जॅत।
२.सदस्यता अभियान, समितिक अर्थिक मजगुती आ जन संपर्क बनेबाक उद्धेश्य सँ किछु सदस्यक एकटा फराक दलक निर्माण भेल जे प्रत्येक रवि कऽ बेरुपहर ११ः०० बजे सँ ०१ः०० बजे धरि रिषराक विभिन्न क्षेत्र में भ्रमण करता।
३. यथा शिघ्र जमीन के छाई/माटि वा राबीस सँ भेरेबाक लेल कोषक निर्माण।
४. सचिव श्री शिव चन्द्र झा द्वारा सब सदस्य सँ ३० अप्रील आ १ मई २०१६ कऽ उक्त जमीन पर भव्य कार्यक्रमक योजना बनेबाक विचार व्यक्त केलनि।
बॅसार में उपस्थित रहॅथ- सर्वश्री काली कान्त मिश्र, शिवचन्द्र झा, अरुण कुमार सिंह, भवनाथ झा, प्रभाकर झा, भुवनेश्वर झा, नरेश झा, जय कुमार मिश्र, बद्रीनाथ झा, नरेश मिश्र, रंजीत कुमार झा, शॅलेन्द्र ठाकुर, अरविंद झा, श्रवण झा आ बेदानन्द झा।
किछु सदस्य अनुपस्थित रहॅथ भरिसक व्यक्तिगत काजक ओझराहट रहल हेतॅनि, मुदा आशा करॅ छी जे ओहो लोकनि समितिक सत्र २०१५-१६ केर तेसर मासिक बॅसार दिनांक २५/१०/२०१५, रविदिन सांझ ६ः०० बजे सँ ८ः०० बजे धरि में निश्चित रुपे आबि अपन समाजिक उतरदायित्वक निर्वाह करता आ हमरा लोकनि सब गोटे मिलि कऽ समाज में नव-चेतना अनबाक लेल प्रयासरत रहब।
रीपोर्ट- मिथिला नव-चेतना समिति

