Thursday, 13 August 2015

चेतना समारोह-२०१५ ( दिनांक १५/०८/२०१५,) केर आमंत्रण, शनि दिन बेरुपहर ३ बज सँ

प्रत्येक वरखक तरहें समिति अहू बेर अपन ७ त् म स्थापना दिवसक सुअवसर पर आयोजिअत कऽ रहल अछि "चेतना समारोह"

उक्त आयोजन दू सत्र में बाँटल गेल अछि।

प्रथम सत्र में समिति द्वारा प्रकाशित वार्षिक स्मारिका "नव-चेतना" क ५म अंकक विमोचन, वर्ष २०१५-१६ केर कार्य-कारिणि सदस्यक उद्घोषना आ विद्वत भाषण-अभिभाषण।

दोसर सत्र में आयोजित अछि भव्य आ क्षमटगर कवि-सम्मेलन।

कार्यक्रम बेरुपहर ३ बजे सँ आरम्भ हॅत। कार्यक्रम स्थानिय "रुपसी बांगला" (खाबर-घर, रेलवे स्टेशन लग) में आयोजित अछि।

अपने सब साहित्य-प्रेमी, मिथिला-मैथिली स्नेही, कवि, साहित्यकार, समालोचक, लेखक आ श्रोता लोकनि सादर आमंत्रित छी।

भवदिय
बद्रीनाथ क्षा
सचिव, मिथिला नव-चेतना समिति
सम्पर्कः- ९००७०१११०६

No comments:

Post a Comment