▶समितिक तेसर मासिक आम बैसार भेल सम्पन्न।
बन्धुगण,
अपार हर्षक संग अहि गप्पक उल्लेख कॅ रहल छी जे अनवरत रुपे काल्हि २५ अक्टुबर २०१५ रविदिन सांझ ६:०० बजे सँ राति ८:०० बजे धरि समितिक तेसर मासिक आम बैसार सम्पन्न भेल।
समितिक सचिव श्री शिव चन्द्र झा जीक प्रस्ताव आ उपस्थित सब सदस्यक समर्थन सँ बैसारक अध्यझताक भार ग्रहण केलनि श्री इन्द्र कुमार मिश्र "इन्दु" जी।
अध्यझ महोदय सब सदस्य के विजय दसमिक शुभकामनाक संग बैसारक शुभारंम्भ केलनि। समितिक अध्यझ श्री कालीकान्त मिश्र जी बैसारक मुख्य उद्घेश्य पर प्रकाश दैत बजला जे मिथिला भवन हेतु जमिन किनबा में जे पौने दुलाख टाकाक देनदारी अछि तकरा सधेनाइ आ जमिन के भरेनाइ ई दुटा प्रमुख मुद्दा अछि एवं तकरा संगे संग नव सदस्य के जोरब, विज्ञापन जुटैब, आर बहुत रास समाजिक लाभ आ कारण सँ लोकक संग भेंट घांट आ हुनक दरबज्जा धरि जैब अति आवाश्यक अछि। ताहि क्रम में विगत बैसार में एकटा १५ सदस्यि कमिटिक निर्माण भेल जे प्रत्येक रवि कॅ भोर १०:०० बजे सँ दुपहरिया १:०० बजे धरि कोनो एकटा निर्धारित झेत्र में भ्रमण करता।
मुदा पुजा पाठक व्यस्तता में मात्र एक्कहि रवि कॅ इ भ्रमण संभव भॅ सकल। समितिक वरिष्ठ सलाहकार संरझक सदस्य श्री बद्रीनाथ झा जी भ्रमण पर विशेष जोर दैत बजला जे समितिक विकाश सम्पुर्ण समाजक सहयोगे सँ संभव अछि। हमरा गर्व अछि जे समिति मात्र ६ वर्षक अवस्था में अहि समाजक बलें मिथिला भवन हेतु जमिन किनी लेलक। ताहि हेतु हम समाजक प्रति अभारी छी। आ जँ समितिक परिकल्पना के सकार करबाक अछि तॅ अहि समाजक लग हम सब बेर बेर जैब आ जै परत आ ई सब सदस्यक दायित्व बनैत छनि जे समितिक उद्घेश्यक पुर्ती में अपन यथा संभव समयक योगदान दैथ। समिति किनको पुस्तैनी नहिं छनि। सबहक समान अधिकार अछि आ जँ अपने समान अधिकारक माने बुझैत होइ तँ तकरा संगे समान रुपे श्रम सेहो छै। "समान श्रम समान अधिकार"।
बैसार में उपस्थित रहैथ सर्वश्री इन्द्र कुमार मिश्र "इन्दु", काली कान्त मिश्र, शिव चन्द्र झा, बद्रीनाथ झा, श्रवण झा, जीतेन्द्र झा " बाबु साहाब", नरेश मिश्र, अरूण कुमार सिंह, बेदानन्द झा, जयकान्त झा, कृत नारायण झा, सुमन कुमार दास, रंजीत कुमार झा आ अन्य।
अल्पाहार चाह- पाइनक संग सब सदस्य के अध्यझ महोदय धन्यवाद ज्ञापन केलनि, तदुपरान्त बैसार अपन निर्धारित समय ठीक ८:०० बजे समाप्तिक घोषणा कएल गेल।
==================================================================================================================================================================
अहि ठाम एक बेर फेर सँ फरिझा कॅ कहि दी जे समितिक मासिक आम बैसार प्रत्येक मासक अन्तिम रविदिन सांझ ६:०० सँ ८:०० निर्धारित अछि। अहि ठाम समिति सँ संबंधित अपनेक कोनो तरहक प्रश्न, विचार, जानकारी आ सलाह आमंत्रित अछि।
आगामि बैसार तद्नुसार दिनांक २९/११/२०१५ कॅ निर्धारित अछि।
कोनो तरहक परिवर्तन भेला पर अपने लोकनि के whatsapp, facebook, blog आ नव चेतनाक २०१५-१६ केर समारिका में छपल सम्पर्क सुत्र पर SMS के माध्यम सँ सुचित कॅ देल जैत।




