Monday, 1 September 2025

नव-चेतना (अंक १०)

 विगत १५ अगस्त २०२५ क' मिथिला नव-चेतना समितिक स्थापना दिवस पर विमोचित भेल स्मारिका 

नव-चेतना केर दसम अंक एहि लींक पर क्लिक क' पढल जा सकैत अछि।

नव चेतना (अंक - १०)



नव चेतना (अंक - १०)

Saturday, 16 August 2025

विगत काल्हि दिनांक १५ अगस्त २०२५ शुक्रदिन भोर ९ः०० बजे सँ मिथिला नव चेतना समिति अपन १७ तम् स्थापन दिवस ओ ७९ तम् स्वतंत्रता दिवस पर 'मिथिला-भवन' पर मनओलक चेतना समारोह।

 विगत काल्हि दिनांक 15 अगस्त 2025 क' मिथिला नवचेतना समिति अपन 17तम् स्थापना दिवस ओ 79तम् स्वतंत्रता दिवस केर सुअवसर पर मिथिला-भवन पर मनओलक चेतना-समारोह।

उक्त समारोह दू सत्र मे बाँटल छल। पहिल सत्र मे छल ध्वजारोहण जे समितिक वरिष्ठ ओ संस्थापक सदस्य श्री भवनाथ झा जी'क कर सँ सम्पन्न भेल। 

तदुपरांत दोसर सत्र मे आयोजित छल- 

  • नव- चेतना स्मारिकाक दशम अंक'क विमोचन 
  • समितिक भरि सालक क्रिया-कलाप ओ आय-व्ययक विस्तार पुर्वक उल्लेख 
  • उपस्थित अतिथिक भाषण- अभिभाषण।
  • नव कार्यकारिणीक उद्घोषणा ओ अन्य कार्यक्रम

एहि सत्रक शुभारंभ भेल कवि कोकिल विद्यापति जी रचित "जय-जय भैरवि......" गीत सँ जे मिथिलाक उदियमान ओ युवा गायक रोशन झा द्वारा प्रस्तुत कएल गेल। 

मंच पर उपस्थित छलाह विशिष्ट अतिथिक रूप मे वरिष्ठ साहित्यकार ओ एकेडमी पुरस्कृत डा. अनमोल झा जिनका कर सँ नव चेतना स्मारिकाक दशम अंकक विमोचन भेल। एकर अलावे मंच के सुशोभित कऽ रहल छलाह वर्तमान अध्यक्ष श्री कालीकांत मिश्र, वरिष्ठ सदस्य सर्वश्री भवनाथ झा, शिवचन्द्र झा आ उपाध्यक्ष श्री नीरज झा।

उपस्थित समस्त पाहुन केँ समिति द्वारा सम्मानक उपरांत हुनक उद्गार सुनल गेल। जाहि में नव चेतना द्वारा कएल जा रहल सामाजिक सांस्कृतिक ओ धार्मिक कार्यक प्रसंशा कएल गेल।

विशिष्ट अतिथि आग्रह कएलनि जे मिथिला भवन मे मैथिली पोथीक संरक्षण करबाक हेतु एकटा पुस्तकालय नुमा व्यवस्था हो जाहि में प्रयोजने एहिठाम लोक सहुलियत सँ पढियो सकथि। संगहि समाज मे बढि रहल विद्रुपता आ ओहि में सामाजिक संस्थानक क्रिया-कलाप पर विस्तार पुर्वक अपन बात रखलाह। आन-आन अतिथि सेहो अपन विचार व्यक्त करैत भवनक उपरका तल्लाक ढलाई केर संकल्प लेलाह। निवर्तमान सचिव ओ उपाध्यक्ष श्री नीरज झा जी एवम अध्यक्ष श्री काली कांत मीश्र जी आगु वर्षक एहि कार्यक्रम धरि  उपरका तल्लाक ढलाई लेल समस्त समाज कें अपन अपन सहयोगक लेल आह्वान केलनि। वरिष्ठ ओ संस्थापक सदस्य श्रीमान भवनाथ झा ओ श्री शिवचंद्र झा अपन बात राखैत समस्त समाज सँ समितिक क्रिया-कलाप ओ सृजनात्मक काज में अपन सहभागिता सुनिश्चित करबाक खगता व्यक्त केलनि।

तदुपरांत समितिक कोषाध्यक्ष महोदय श्री तपेश्वर चौधरी जी विगत वर्षक आय-व्यय केर पुर्ण ब्योरा साझा केलनि आ समस्त मैथिल सिनेही केँ समितिक प्रति एहि समर्पणक लेल प्रसंशा व्यक्त केलनि। समितिक अन्य पदाधिकारी ओ सदस्य सर्वश्री श्रवण झा, विजय चौधरी, अशुतोष झा, नरेश मिश्र (चेयरमेन साहाब) सेहो अपन उद्गार व्यक्त केलनि।

विशिष्ट अतिथिक रुप में वरिष्ठ रंगकर्मी ओ समाजसेवी भवनाथ झा एवम पत्रकार गजलकार श्री पवन कुमार झा "गुमनाम फरिस्ता" सेहो अपन उद्गार व्यक्त कएलनि।

समितिक निवर्तमान सचिव वरिष्ठ सदस्य, संस्थापक सदस्य श्रीमान बद्रीनाथ झा जी समस्त आगन्तुक, अतिथि, दर्शक ओ सदस्य केँ धन्यवाद ज्ञापन करैत कहलनि जे समितिक उन्नति ओ विकास मे सबहक सहयोग अविस्मरणीय अछि आ एनाही जँ सहयोग प्राप्त होयत रहत त' समितिक विकास दिनानुदिन बढबे टा करत।

पुरा कार्यक्रमक संचालन रंगकर्मी श्री रंजीत कुमार झा केलनि।

   




Monday, 11 August 2025

मिथिला नव चेतना समिति १५ अगस्त २०२५ कऽ मनाओत अपन १७ हम् स्थापना दिवस

 जेना कि अपने लोकनि के ज्ञात अछि जे समिति प्रति वर्ष १५ अगस्त कऽ देशक स्वतंत्रता दिवसक सुअवसर पर अपन स्थापना दिवस सेहो आयोजित करएत रहल अछि। एहि अवसर पर समिति विभिन्न तरहक कार्यक्रम केर आयोजन सबहक समावेश करएत रहल अछि जेना- कवि सम्मेलन, नव-चेतना स्मारिकाक विमोचन, सम्मान समारोह समितिक वार्षिक क्रिया-कलापक विस्तृत विवरण प्रस्तुति इत्यादि।

अहु वर्ष समिति आगामि १५ अगस्त २०२५, शुक्रदिन भोर ९ः०० बजे सँ अपन "मिथिला-भवन पर" ७९ तम् स्वतंत्रता दिवस सह १७हम् स्थापना दिवसक आयोजन सुनिश्चित कएल अछि।

उक्त अवसर पर समितिक वरिष्ठ ओ संस्थापक सदस्य श्रीमान भवनाथ जी'क कर सँ ध्वजारोहण एवम् वरिष्ठ साहित्यकार ओ साहित्य एकाडमी पुरस्कृत डा. अनमोल झा जी'क कर सँ "नव-चेतना" स्मारिकाक दशम अंक'क विमोचन होएत।

संगहि समितिक वार्षिक क्रिया-कलापक विवरण, नव कार्यकारिणीक उद्घोषणा एवं वरिष्ठ सदस्य लोकनिक भाषण-अभिभाषण होएत।

अपने समस्त साहित्यप्रेमी ओ मिथिला-मैथिली सिनेही सब सँ आग्रह जे उक्त कार्यक्रम में ससमय उअपस्थित भऽ एहि कार्यक्रम केँ सफलता प्रदान करी।