विगत १५ अगस्त २०२२, मिथिला नव चेतना समिति द्वारा आयोजित छल चेतना समारोह आ आजादिक अमृत महोत्सव। उक्त कार्यक्रम दू सत्र में बाँटल गेल छल पहिल सत्र में भोर ९ बजे सँ मनाओल गेल आजादिक अमृत महोत्सव आ दोसर सत्र छल १० बजे सँ मिथिला नव चेतना समितिक १४हम स्थापना दिवस पर चेतना समारोहक आयोजन।
पहिल सत्र में सबसँ पहिने मिथिला भवन परिसर में देशक शान तीरंगा फहराओल गेल। ध्वजा- रोहण, समितिक संस्थापक सदस्य ओ उपाध्यक्ष श्रीमान शिवचन्द्र झा जी द्वारा कएल गेल। तत्पश्चात हुनक अभिभाषण सँ एहि सत्र केँ विराम देल गेल।
दोसर सत्र जे चेतना समारोह छल जे युवा गायक प्रकाश झा द्वारा प्रस्तुत भगवतीक स्तुती जय-जय भैरवी सँ शुभारंभ भेल। तत्पश्चात युवा गायक रोशन झा द्वरा प्रस्तुत स्वागत गीत सँ उपस्थित सब पाहुन केँ स्वागत कएल गेल। मंच पर पर अध्यक्षक रुप में उपस्थित छलाह श्रीमान अरुण सिंह एवम आन विशिष्ट अतिथिक रुप में मंचस्थ छलाह सर्वश्री भवनाथ झा, प्रभाकर झा, कालीकांत मिश्र, शिव चन्द्र झा आ नीरज झा। आदरणीय अधय्क्ष महोदय श्रीमान अरुण सिंह जीक कर सँ समिति द्वारा प्रकाशित “नव-चेतना” स्मारिकाक ९ वम अंकक विमोचन कएल गेल। उपस्थित सब पाहुन अपन-अपन उद्गार व्यक्त करैत समितिक उन्नति ओ विकाश पर विशेष जोर देलनि। सचिव श्रीमान नीरज झा जी द्वारा आगामी दिन में समिति द्वरा सामाजिक कार्य जेना निःशुल्क चसमा वितरण, मोतियाबिंद ओपरेशन, स्वास्थय परिक्षण ओ रक्त दान एहन कार्य केर आयोजन करबाक आश्वासन देलनि आ जनतब देलनि जे आगामी १७ अगस्त २०२२ कऽ "शोभा जीव कल्याण ट्रस्टक संयुक्त तत्वाधान मे मिथिला भवन पर निशुल्क चशमा वितरण ओ स्वास्थय परिक्षण कैम्प केर आयोजन होयत। उक्त कार्यक्रम में रोशन झा, प्रकाश झा ओ भगवान मिश्र जी द्वारा राष्ट्र गीत सब प्रस्तुत कएल गेल। समितिक कोषाध्यक्ष श्रीमान शैलेन्द्र ठाकुर जी द्वारा समितिक विगत वार्षिक वर्ष २०२१-२०२२ केर लेन-देनक सम्पुर्ण विवरण प्रस्तुत कएल गेल। तत्पश्चात वर्ष २०२२-२३ केर कार्यकारीणी समितिक औपचारिक घोषणा सेहो कएल गेल। उपाध्यक्ष श्रीमान बद्रीनाथ झा जी मंचस्थ सब पाहुन सह उपस्थित सब सदस्य ओ दर्शक केँ धन्यवाद ज्ञापण केलनि। कार्यक्रमक संचालन युवा रंगकर्मी रंजीत कुमार झा द्वारा कएल गएल। तकरा बाद चाह ओ अल्पाहारक संग एहि कार्यक्रमक समापनक घोषणा भेल।




.jpeg)





.jpeg)






.jpeg)


.jpeg)
.jpeg)



.jpeg)

.jpeg)

























.jpeg)



.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)





.jpeg)


.jpeg)











