विगत दिनांक १४ अगस्त २०२२, रविदिन मिथिला नव चेतना समिति द्वारा आयोजित भेल सामुहिक रुद्राभिषेक। उक्त कार्यक्रम में ११ गोट जजमान द्वारा देवाधिदेव महादेवक अभिषेक कएल गेल। प्रधान जजमान छलाह समितिक संस्थापक सदस्य श्री राजेन्द्र झा आ आन जजमान में छलाह सर्वश्री शैलेन्द्र ठाकुर , शिवचन्द्र झा, बद्री नाथ झा, भगवान मिश्र, नरेश मिश्र (चेयर मेन साहेब), उदयकांत झ, संजय ठाकुर, तपेश्वर चौधरी, अरुण सिंह आ ललन झा। पंडीत श्री श्रवण झा जीक आचार्यत्व में ९ गोट विज्ञ मैथिल पंडित द्वारा उक्त अभिषेक केँ निष्ठा पुर्वक संपादित कएल गेल। कार्यक्रम केँ सफल बनेबा हेतु समितिक समस्त सदस्यक संग सब पदाधिकारीक तत्परता ओ सहयोग सराहनीय रहल। विशेष कऽ युवा कार्यकर्ता में रोशन झा, ललन झा, साजन झा, दिपक ठाकुर, दिपक कुमार झा आदि बेस सक्रिय देखल गेलाह। एग्यारहो जजमान एकरंगा परिधान (पीयर धोती, लाल कुर्ता, डोपटा आ मिथिला पेंटिंग पाग) में अति भव्य ओ मनोरम लगैत छलाह। पंडीजी लोकनि द्वारा समवेत महादेवक रुद्री-पाठक वाचन सम्पुर्ण परिवेश कें आध्यात्मिक ओ सकारात्मक उर्जाक प्रदान करैत रहल।
अभिषेकक उपरान्त साँझु पहर भव्य ओ झमटगर किर्तन-भजन केर आयोजन भेल जाही में पंडित श्री मुरारी झा, नाल वादक श्री चुन्नू झा, पंडीत श्री दिलीप झा, भगवान मिश्र, युवा गायक रोशन झा ओ प्रकाश झा अपन सुमधुर गायकी सँ मिथिला-भवनक परिवेश केँ बेस संगितमय बनौलनि।
तत्पश्चात भण्डाराक आयोजन छल जे रात्री ११ बजे धरि अनवरत चलैत रहल आ कार्यक्रम बेस सफल रहल। स्थानिय लोकक उपस्थिती सँ मिथिला भवन परिसर भरल रहल आ कार्यक्रम पुर्ण रुपेण सफल रहल।
सामुहिक रुद्राभिषेक'क किछु छाया-चित्र
.jpeg)






.jpeg)


.jpeg)
.jpeg)



.jpeg)

.jpeg)

























.jpeg)



.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)





.jpeg)


.jpeg)












No comments:
Post a Comment