मई मासक मासिक बैसार आयोजित हैत दिनंक ५जुन २०१६ रविदिन
प्रीय सदस्य गण,
अपने लोकनि के सुचित क' दी जे समितिक आगामि मासिक बैसार जे दिनांक २९ मई, २०१६ क' हेबाक छल. कोनो विशेष कारण सँ दिनांक ५जुन २०१६ क' आयोजित अछि!
- बैसारक मुख्य विषय वस्तु-
१. विगत कार्यक्रमक समिझा
२. विगत कार्यक्रम एवं वितिय वर्ष २०१५-१६ केर आय व्यय'क विवरण
३. आगामि कार्यकारिणि समितिक चुनावक प्रक्रिया पर निर्णय!
४. अन्य!
समय- सांझ ६:०० बजे सँ ८:०० बजे धरि
स्थान- रूपसी बांगला (खाबार घर)
अपने सब सदस्य सँ एकटा आग्रह आउर जे सब कियो अपन अपन सम्पर्कित सदस्य लोकनि के सेहो सुचित क' दी एवं बैसार में भाग लेबाक अनुरोध सेहो!
आशा अछि अपने सब गोटे समय सँ उपस्थित भ' एहि बैसार के महत्वपुर्ण एवं सफल बनैब!
भवदिय
शिव चन्द्र झा,
सचिव, मिथिला नव चेतना समिति!
No comments:
Post a Comment