Tuesday, 24 May 2016

१४ मई आ १५ मई' २०१६ कऽ आयोजित समितिक द्वि-दिवसीय कार्यक्रम रीपोर्ट

समितिक द्वि-दिवसीय कार्यक्रम भेल संपन्न

विगत २३ अप्रील २०१६ समितिक भुमि पुजन कार्यक्रम सम्पन्न भेल, मुख्य संकल्प कर्ता रहैथ समितिक वरिष्ठ संरझक सदस्य श्री भागेश्वर झा, प्रसाद वितरण आ मुँह मीट्ठक संग  कार्यक्रम सफल पुर्वक सम्पन्न भेल तदुपरान्त दिनांक १४ मई आ १५ मई २०१६ समितिक द्वि-दिवसीय भव्य कार्यक्रमक आयोजन छल. पहिल दिन दिनांक १४ मई २०१६ शनि दिन, सब सँ पहिने भव्य कलश यात्रा जे समितिक भुमि अवस्थित श्री श्री १०८ बाबा नागेश्वर नाथ महादेव मंदिर सँ होइत पतित पावनि मँ गंगाक घाट आ ओहिठाम सँ फेर कलश में जल भरि अपन माथ पर उठा फेर बाबाक जलाभिषेक करबाक संकल्पक लेल गेल! एहि कलश यात्रा में १२१ महिला कलश यात्री आ सैकरो कार्यकर्ता, सदस्य, मैथिल स्नेही आ स्थानिय लोकक उत्साह आ संग, समाज आ सामाजिक सहयोगक बात के पुष्टी केलक, प्रमाणित केलक, परिभाषित केलक संगहि ओ लोकनि जे समाजिक सहयोग आ संग केर आभावक फकरा पढ़ै छलैथ तीनका लोकनिक मुँह पर ताला लागल आ आँखि चकबिदोर भेल ! आगु - आगु समितिक बैनर तकर पाछा सुमधुर धार्मिक संगीत दैत आधुनिक वाध्य यंत्र सँ लैस बैंड बाजा तकर पाछा मिथिला गौरवक पहचान पाग आ राधे- कृष्ण प्रींटेड दोपटा ओढ़ने समितिक वरिष्ठ सदस्य सम्पुर्ण यात्रा के रमनगर बना रहल छलाह! अहि क्रम में सौंसे बाट श्री भवनाथ झा जी द्वारा बाट में भेटैत सब धीया-पुता आ दर्शनार्थी के चोकलेट बँटला सँ बाट मीठगर आ सुअदगर बनैत चलि गेल ! तकरे पाछु चारि चक्का गारी पर साझात शिव-देवाधिदेव महादेव मृग छाल ओढ़ने गला में सर्पक माला पहिरने कखनो आशन त' कखनो ठारह भ' क' अपन भक्त लोकनि के आशिष द' रहल छलाह आ तीनके चरण में बैसल मिथिलाक संत कवि कोकिल विद्दापति अपन रचना गाबैत उगना के रीझा रहल छलाह ! आउर एहन नयनाभिराम दृष्यक पाछु महिला कलश यात्री जाहि में प्रधान कलश नेने श्रीमती शांति झा अगुआ रहल छलिह! तकरा पाछु फेर मिथिलाक पारम्परिक आ भक्ती गीत पसारने श्री इश्वर चंद्र झा "व्यास" आ असर्फी ठाकुर कलश यात्रा के  मैथिलमय बना रहल छलाह! कोनो तरहक असुविधा सँ सामना करबाक लेल पाछु ५ टा टोटो, रिक्सा, पानिक बोतल आ फस्ट एड मेडीकल व्यवस्थाक संग दुनु कात युवा कार्यकर्ता सतर्क आ मुस्तैद छलाह!


जलाभिषेकक उपरांत सब यात्री के प्रसाद आ जल पीया बिदा देल गेल ! तत्पश्चात शुभारंभ भेल जगत जननी जगदंबाक पाठ आ तकरा संगे आरंभ भेल मर्यादा पुरषोत्तम श्री राम आ कृष्णकेर २४ घंटा अष्टयाम नाम संकिर्तन! समितिक उपाध्यझ आ संरझक सदस्य श्री नीरज झा समितीक मार्फत प्रधान संकल्प लेलनि! झेत्रिय आ कोलकात्ता सँ बहुत रास मंडलीक आवागमन अहि कार्यक्रमक सफलताक सुचक छल! अहि क्रम में बागबाजार सँ अएल वरिष्ठ समाज सेवी आ धार्मानुरागी श्री दिवाकर झा जीक सहयोग सराहनिय रहल! तहन स्थानिय मंडली के जुटेबा में श्री वीमल चौधरी आ कोलकाताक मंडली जुटेबा में श्री बद्री नाथ झा जीक योगदान विशेष रहल! उक्त कार्यक्रमक पश्चात आयोजित छल रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम जाहि में मिथिलाक सुमधुर आवाज टाटा जमशेदपुर सँ आएल श्री मिथीलेश मीश्र दर्शक के मन मोहि लेलनि! कार्यक्रमक सुभारंभ भेल विद्दापति रचित भगवति वंदना "जय जय भैरवि.. सँ" जे अमैथिल आ अव्यवसायिक गायिका सुश्री कीरण कुमारी ओझा द्वारा प्रस्तुत कएल गेल! संगीत देलनि श्री जनार्द ओझा एण्ड ग्रुप! कार्यक्रमक शुभ उद्घाटन केलनि कोलकाताक प्रमुख मैथिल शिझाविद श्री भोगेन्द्र झा, अध्यझता श्री रामलोचन ठाकुर अतिथि में उपस्थित रहैथ मैथिल सुचिन्तक श्री युगल किशोर झा,  वरिष्ठ रंगकर्मी श्रीमती किरण झा आ पार्षद श्री चन्द्रमणी सींह जी.उक्त कार्यक्रम में समिति द्वारा मिथिला मैथिलक लेल विशेष योगदान हेतु वरिष्ठ उद्दोगपति आ समाजसेवी श्री कामदेव झा आ श्री शारदानन्द झा जी के पाग, दोपटा आ सम्मान पत्रक संग विशेष सम्मान देल गेलनि! अहि क्रम में मिथिला मैथिलीक सुच्चा सेनानी निश्वार्थ सेमाज सेवी कर्मठता, कैशल आ अनुभव केर धनी समितिक आत्मा सँ जुरल, निश्पझ, उदार सहनशिल साहासी आ समर्पीत हस्ताझर, संरझक सदस्य आ निवर्तमान अध्यझ श्री अरुण कुमार सिंह के नवचेतना सम्मान सँ सम्मानित कएल गेल! अहि कार्यक्रम में समितिक दिस सँ वर्तमान पार्षद सँ समितिक भुमि सँ संलग्न सरक के विद्दापति रोड सँ नामकरण करबाक आग्रह कएल गेलनि दे श्री सींह जी द्वारा अहि बातक आश्वासन सेहो भेटल! समितिक दिस सँ अध्यझ श्री कालीकांत मिश्र आ सचिव श्री शीव चन्द्र झा जी अपन अपन विचार आ उद्गार व्यक्त केलनि.. मंच संचालन समितिक कोषाध्यझ आ युवा रंगकर्मी श्री रंजीत कुमार झा जी द्वारा नीबाहल गेल.. कार्यक्रमक समापनक घोषणा  वरिष्ठ संरझक सदस्य आ निवर्तमान सचिव श्री बद्री नाथ झा जीक धन्यवाद ग्यापन सँ कएल गेल!



कहि दी जे भुमि सँ मात्र ४० सँ ५० मीटर के दुरी पर हमर अतिथि लोकनिक चारि चक्का वाहनक पार्कींग छल, तीन चक्का टोटो रीक्सा आ मोटर साइकील त' बीना कोनो असुविधाक भुमि धरि प्रवेश क' रहल छल...अहिठाम ई बात अहि कारणे फरिझैल जे किछु व्यक्ति विशेष में भ्रम पसारल गेल छनि वा भ्रमित छलैथ जे भुमि पर जेबाक लेल उचित पार्कींग वा साइकीलो जेबाक संसाधनक अभाव छै!
सम्पुर्ण कार्यक्रम अनुमान सँ बेसी सफल रहल! ओना त' कार्यक्रमक सफलता में सब सदस्यक सहयोग अपुर्व अछि.. ताहु पर रिषराक समाज, तीनकर सहयोगक संवर्द्धनाक लेल हमरा लग शब्द कम परि रहल अछि...कोटिशः धन्यवाद.. आभार.. आन्तरिक सुभेच्छा! तहन अहि क्रम किछु सदस्य जिनकर नाम उल्लेख नहिं केने ई रीपोर्ट कने छुछुआन बुझैत तैं विशेष आभारी सर्वश्री बद्री नाथ झा, शीवचन्द्र झा अरूण सींह, नीरज झा, अमित कुमार झा, शैलेन्द्र ठाकुर, ललन झा, नरेश मीश्र, रोशन झा, दीपक ठाकुर, अनील सींह, राधा कान्त पाठक, इन्द्र कांत झा ( गोपाल होसीयरी).. आरो बहुत नाम अछि सब गोटेक नाम उल्लेख करब संभव नहिं जीनकर किनको नाम छुटि गेल अछि कृप्या अधलाह नै मानी आ नै उपराग दी... अपने सब गोटेक सहयोग अहि कार्यक्रमक सफलताक मुल मंत्र छल ! 
















No comments:

Post a Comment