मोन त् हेबॅ करत, तॅयो पुनः सब गोटे के मात्र अख्यास परेबाक उद्धेश्य सँ "सत्र २०१५-१६ केर द्वितिय मासिक आम बॅसार" में अपनेक आमंत्रण, नीवेदन आ अपेक्षा
========================================================================
समितिक मासिक आम बॅसार आगामि रविदिन दिनांक २७/०९/२०१५ सायं ६ बजे सँ ८ बजे धरि रुपश्री बांगला (खाबार घरक उपरका तल्ला पर) निर्धारित अछि।
समितिक सब सदस्य सह समाजक प्रति अपन दायित्व आ कर्तव्यनिष्ठ व्यक्तित्व के अहि बॅसारक हकार अछि। समिति अपने सब गोटे सँ अहाँक बहुमुल्य समय सँ कने काल अजबाइर कऽ उक्त बॅसार में अपनेक गरिमामय उपस्थितिक अपेक्षा रखॅत अछि। अपने अपन उत्तम विचार आ सुक्षाव सँ समितिक परिकल्पना के साकार करी।
(ज्ञातव्य हो जे मासिक बॅसार प्रत्येक मासक अंतिम रवि कऽ निर्धारित कएल गेल अछि। उक्त बॅसारक उद्धेश्य अछि समिति सँ जुरल कोनो तरहक उपराग, सुझाव, सुचना, अग्रिम कार्य-कलापक विस्तरपुर्वक मंथन आ उपयुक्त निर्णय।)

No comments:
Post a Comment