प्रथम मासिक बॅसार (सत्र १५-१६)
दिनांक- ३०/०८/२०१५ समयः सायं ५ बजे
दिनांक ३० अगस्त २०१५, रविदिन सांय ५ बजे सऽ "रुपसी बांगला"- खाबर घरक चारिम तल्ला पर कार्यकारिणि समितिक बॅसार भेल। बॅसारक अध्यक्षता श्री कालीकान्त मीश्र जी कएलनि। उक्त बॅसार में "चेतना समारोह-२०१५ केर विस्तार सऽ समिक्षा कएल गेल। तकरा बाद समारोहक आय-व्ययक ब्यॉरा देल गेल। समितिक अग्रिम कार्य आ विकाशक लेल सब सदस्य अपन-अपन वक्तव्य रखलनि। बॅसारक क्रम में कोषाध्यक्ष श्री रंजीत कुमार झा जिक प्रस्ताव जे समितिक बॅसार नियमित रुप सऽ भेला पर सब तरहक वाद-विवादक निपटारा आ संस्थाक विकाशक लेल उचित मार्गदर्शन भेटॅत रहॅत छॅ। तॅं प्रत्येक मासक अंतिम रविदिन कऽ सायं ६ बजे सऽ रात्रि ८ बजे धरि बॅसारक आयोजन हेबाक चाहि। अहि प्रस्ताव के उपस्थित सब सदस्य स्वागत कएलनि आ आगामि २७ सेपटेम्बर २०१५ रविदिन सायं ६ बजे सऽ रात्रि ८ बजे धरि उक्त स्थान पर बॅसारक निर्णय लेल गेल। उक्त बॅसार में उपस्थित छलाह- सर्वश्री कालीकान्त मिश्र, शिव चन्द्र झा, भुवनेश्वर झा, अरुण कुमार सिंह, भवनाथ झा, प्रभाकर क्षा, जय कुमार मिश्र, बद्रीनाथ झा, अरविंद झा, श्रवण झा, सुरेन्द्र भंडारी, शॅलेन्द्र ठाकुर, सुमन कुमार दास, नरेश मिश्र, नरेश झा, रंजीत कुमार झा आ अन्य सदस्य।
समितिक सदस्य लोकनि सऽ आग्रह जे समितिक विषय में कोनो तरहक वाद-विवाद सऽ बांचि। वाद-विवादक लेल नियमित रुप सऽ बॅसारक आयोजन होइत रहत जाहि में अपने अपन सब तरहक बात के राखि सकब। संगहि जऽ कोनो सदस्य के समितिक लेल कोनो तरहक सुक्षाव, सलाह वा उपराग अछि तऽ निस्सन्देह समितिक अध्यक्ष, सचिव वा सलाहकार समितिक कोनो सदस्य के सुचित करी, समिति अहांक गप्पक गंभिरता पर विचार कऽ विशेष बॅसारक आयोजन करत आ उचित निर्णय लेल जाएत।
समिति अपन प्रत्येक कार्यक लेल पारदर्शी अछि। कोनो सद्स्य के जऽ कोनो तरहक जानकारी चाही तऽ समितिक सचिव के लिखित रुपे वा समितिक मेल पर आवेदन करी।
विशेषः- समितिक मासिक बॅसार में समस्त सदस्य के समय सऽ उपस्थिति प्रार्थनिय अछि ।
No comments:
Post a Comment