विगत ८ सेपटेंबर २०२४ समिति द्वारा सामुहिक रुद्राभिषेक आयोजित छल। आचार्य पंडित श्री श्रवण झा जी’क सानिध्य में ९ गोट विद्वत ओ योग्य पंडित जी एवं ९ गोट जजमान द्वारा एहि कार्यक्रम कें सफलता पुर्वक संपादन काएल गेल।
९ गोट जजमान एहि प्रकारे छलाह
१. श्री बद्री नाथ झा (मुख्य जजमान)
२. श्री भवनाथ झा
३. श्री तपेश्वर चौधरी
४. श्री नरेश मिश्र (चेयरमैन साहाब)
५. श्री आशुतोष झा
६. श्री शिव चन्द्र झा
७. श्री रामचंद्र झा
८. श्री शैलेन्द्र ठाकुर
९. श्री ललन झा
भोर ९.०० बजे सँ एहि कार्यक्रमक शुभारंभ भेल जे राति ९.०० बजे धरि पंडित श्री मुरारी झा, श्री ईश्वर चंद्र झा एवं श्री रोशन कुमार झा जीक झमटगर किर्तन-भजन केर संग समापन भेल। ततपश्चात महा-प्रसाद केर व्यवस्था सेहो छल जे राति ११.०० बजे धरि चलैत रहल आ समस्त उपस्थित सदस्य एहि महा-प्रसाद केँ ग्रहण क’ अपन-अपन आवास दिस प्रस्थान करैत गेलाह।
एहि अवसर कें सफलता प्रदान करबा हेतू समितिक समस्त सदस्य संग पदाधिकारीक ओ विशेष क’ युवा कार्यकर्ता सर्व श्री साजन झा, निरंजन सिंह, ललन झा, रोशन झा, दिपक कुमार झा, दिपक ठाकूर एवं अन्य सदस्यक बेस सहभागिता रहल।
समस्त सहयोगी सदस्य, रिषराक प्रत्येक मैथिल वृन्द ओ सहयोगी संस्था कें समिति हृदय सँ आभार व्यक्त करैत अछि।
उक्त अवसरक सफलताक फरिछोट करैत किछु छाया-चित्र


.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)


.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)

.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)


.jpeg)




.jpeg)



.jpeg)


.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)

.jpeg)

.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)

.jpeg)

.jpeg)

.jpeg)
.jpeg)







.jpeg)







.jpeg)


.jpeg)


.jpeg)





No comments:
Post a Comment