मिथिला नव चेतना समिति द्वारा मिथिला-भवन पर आदरणीय स्व. अरुण सींह जी’क १५ अप्रील २०२३ कऽ भेल आकस्मिक देहावसान पर हुनक स्मृति में विगत १४ मई २०२३ कऽ एकटा श्रद्धांजलि सभा आयोजित कएल गेल।
सर्वप्रथम उपस्थित समस्त मिथिला-मैथिली सिनेही ओ संस्थागत प्रतिनिधी द्वारा अरुण जीक प्रतिमा पर पूष्प समर्पित कऽ एहि सभ केँ प्रारम्भ कएल गेल। तत्पश्चात उपस्थित समस्त सदस्य ओ विभिन्न मैथिल संस्थाक प्रतिनिधि द्वारा अरुण जी केँ कृति ओ कृतित्व केँ मोन पारैत, हुनका संग बिताओल सामाजिक संबंध के विस्तार सँ संबोधित कएल गेल। एहि क्रम में श्रद्धेय अरुण जीक पुत्र सुनील सींह, मिथिला सेवा समिति, बेलुड केँ प्रतिनिधित्व करैत रंगकर्मी, निर्देशक ओ समाज सेवी श्रीमान भवनाथ झा जी, जानकी सेवा संघ सँ सर्वश्री पवन कुमार झा, शम्भू नाथ झा आ राजू झा जी वैदेही-कोन्नगर सँ शम्भू नाथ झा आ अशोक ठाकुर जी मैथिली एकता मंच सँ संजय चौधरी जी विद्यापति जनकल्याण ट्रस्ट, लीलूआ सँ अमर किशोर झा (बच्चन जी) मिथिला स्टूडेंट युनीयन सँ विकाश पाठक जी विद्यापति स्मारक मंच, कोलकाता सँ विवेकानन्द झा जी मैथिली नाट्य निर्देशक ओ सुपरिचित रंग निर्देशक श्री गंगा झा, मिथिला नव चेतना समितिक समस्त सदस्य ओ रिषराक उपस्थित समाज द्वारा अरुण जी केँ श्रद्धा सुमन अर्पित कएल गेल ।
अरुण जीक चारित्रिक वैशिष्ट्य ओ कृतित्व पर विशेष प्रकाश दएत एहि बातक विशेष चर्च भेल जे मिथिला-मैथिलीक उचित विकाश ओ ठोसगर काज लेल अरुण जी एकटा प्रेरक छथि। हुनक कृतित्व केँ कोलकाता मैथिल समाज कहियो नहि बिसरि सकैत अछि। हुनक धैर्यता, गम्भीरता, अनुभव आ मैथिल काजक प्रति समर्पण आ उदारता कोनो समाजक उत्थान लेल सटीक उदाहरण भऽ सकैत अछि। विगत ४८ वर्ष सँ कंसी, दरिभंगा गाम नीवासी अरुण जी कोलकाता प्रवास में मिथिला-मैथिलीक हितक लेल सक्रिय रहलाह। सर्वप्रथम ओ कोलकाताक सुचर्चित नाट्य संस्था कोकिल मंच सँ जुडलाह ततप्श्चात विद्यापति स्मारक मंच आ रिषराक मिथिला नव चेतना समितिक संस्थापक सदस्य छलाह। वर्तमान में समितिक विगत २०१६ सँ अध्यक्ष पद केँ निर्वाह करैत छलाह। ओ मात्र एहि टा संस्था सँ नहि आपितू मिथिला-मैथिलीक कोनो टा संस्था ओ काजक लेल समर्पित छलाह, एकटा सुच्चा, निस्वार्थी नाओ, पद मान-सम्मानक लोभ-लीलसा सँ फराक निस्सन, सशक्त ओ कर्मठ योद्धा छलाह। एना अकस्मात हुनक जाएब समपूर्ण समाजक एकटा एहन क्षति अछि जकर पुर्ति करब असंभव अछि।
समितिक दिस सँ सचिव श्री नीरज झा जी कोषाध्यक्ष श्री शैलेन्द्र ठाकुर जी, सह-सचिव सुनील झा जी उपाध्यक्ष श्री बद्री नाथ झा जी, कार्यकारिणी सदस्य नरेश मीश्र जी ओ अन्य वरिष्ठ सदस्य सर्वश्री भवनाथ झा, प्रभाकर झा, राजेन्द्र झा, बालेश्वर झा, ईश्वर झा, ललन झा, मिथिलेश झा, सुरेन्द्र भंडारी, दिलिप भगत, साजन झा, दिपक ठाकुर, सुमन झा ओ अन्य उपस्थित छलाह।
एहि सभा कें संचालन युवा रंगकर्मी ओ समितिक कार्यकारिणी सदस्य रंजीत कुमार झा जी द्वारा कएल गेल ओ अपन संबोधन में अरुण जीक सम्पुर्ण जीवनक क्रिया-कलाप केँ संक्षिप्त विवरण प्रस्तुत कएलनि। अन्त मे ओहि महान आत्माक शांति, सद्गति लेल ईश्वर सँ प्रार्थना करएत दू मिनटक मौन धारण कऽ हुनका श्रद्धाँजलि देल गेल।



.jpeg)
.jpeg)
.jpeg)
.jpeg)
.jpeg)
No comments:
Post a Comment