Monday, 18 April 2016

मासिक बैसार- अप्रील २०१६ केर आमंत्रण दिनांक- २४.०४.२०१६, सांझ ६.०० बजे सं ८.०० बजे धरि, खाबर घर'क उपरका कक्ष"

अति आवश्यक मासिक बैसार आगामि २४ अप्रील २०१६ सांझ .०० बजे सऽ .०० बजे धरि, खाबार घर उपरका तल्ला पर


आगामि रविदिन दिनांक २४ अप्रील २०१६ अर्थात अहि मासक अंतिम रवि, सांझ ६.०० बजे सऽ ८.०० बजे धरि रुपसी बांगला (खाबर घर’क उपरका कक्ष) में मासिक बैसार’क आयोजन अछि ।

जेना की अपने लोकनि के ज्ञात अछि जे आगामि १४ मई आ १५ मई’ २०१६ दु-दिना विराट कार्यक्रम’क आयोजन अछि, ताई हेतु उक्त बैसार सम्पुर्ण रुप सऽ मात्र अहि समारोह सऽ समबंधित रहत ।

उक्त बैसार दु चरण में बांटल गेल अछि ।

प्रथम चरणः-       समय -  ठीक ६.०० बजे सऽ ७.०० बजे धरि।
उक्त बैसार में निम्नलिखित बात पर विचार-विमर्श होएत…
१.       कार्यक्रमक अंतिम आ निर्णायक रुपरेखा
२.       कोषक वर्तमान स्थिति आ उगाही
३.       कर्यक्रमक दौरान विभिन्न कार्यक्षेत्रक उत्तरदायित्व
४.       विभिन्न

दोसर चरणः-      समय – ठीक ७.०० बजे सऽ ८.०० बजे धरि।

उक्त बैसार में युवा Volunteers आ कार्यकर्ता लोकनिक लेल समारोह’क दौरान हुनक दायित्व आ कार्यक दिशा निर्देश पर विस्तृत विचार आ निर्णय लेल जाएत।

 

अहि बैसार में जाहि युवा Volunteers के सम्मिलित करबाक अछि ताहि युवा लोकनि के रंजीत झा (पप्पू), दीपक ठाकुर आ अमित झा केर मार्फत फराक रुप सऽ सेहो सुचित कएल जाएत।

 

समितिक समस्त सदस्य आ मैथिल शुभेच्छू लोकनि सऽ आग्रह जे उक्त बैसार में निश्चित रुप सँ आबी आ कार्यक्रम के सफल बनेबा में अपन सुझाव आ विचार प्रेषित करी।

 

तहन करबद्ध आग्रह जे सब गोटे समय के अख्यास राखी आ निश्चित समय पर आबि अपनो समय आ अनको समय के सम्मान देबाक प्रयास करी।

 

धन्यवाद

शिव चन्द्र झा


महासचिव, मि. न. चे. स.

No comments:

Post a Comment