![]() |
| बॅसार में उपस्थित सदस्यगण |
काल्हि
दिनांक १३ दिसंबर २०१५, रविदिन समितिक मासिक बॅसार भेल, समय सांक्ष ६.०० बजे सऽ ८.००
बजे धरि निर्धारित छल। बेर बेर अनुरोध केलाक पश्चातो सदस्य लोकनि अपने समय सऽ आबॅत
गेला जाहि कारणे बॅसारक ऑपचारिक आरंभ लगभग १ घंटा विलंब आर्थात ७.०० बजे सऽ प्रारंभ
भेल। समय सऽ मात्र ४ गोट सदस्य उपस्थित रहॅथ, आस्तु…..
![]() |
| बॅसार में उपस्थित सदस्यगण |
बॅसारक
ऑपचारिक संचालन समितिक वरिष्ठ सलाहकार सदस्य आ पुर्व सचिव श्री बद्रीनाथ झा जी केलनि।
बॅसार में अनवरत रुपे पुरा १ घंटा धरि बहुत रास गप्प पर विचार-विमर्श, मंथन आ परामर्श
लेल गेल जे मुख्य रुप सऽ एहि प्रकारे अछि-
१.
समितिक
वर्तमान पदाधिकारिक निष्क्रियता बॅसारक प्रारंभिक आ मुख्य मुद्धा
रहल।
२.
बॅसार
में निर्णय भेल गप्पे टा मान्य हॅत। रोड-घाट, बऽस-ट्रेन में चर्चा भऽ सकॅत अछि मुदा
निर्णय नहिं। किनको मोन में समिति सऽ सम्बंधित कोनो तरहक गप्प के फरिछॉटक लेल मासिक
बॅसार आयोजित अछि, तद्परान्त जऽ मामला अति गम्भिर होइ त़ऽ विशेष बॅसारक आयोजन सेहो
भऽ सकॅत अछि।
३. जमिन किनबा
में जे देनदारी अछि तकरा पुर्ण करबा लेल सब सदस्य सऽ ५,०००/- टाकाक अतिरिक्त भार देल
गेल छलनि से राशि सब सदस्य अति शिघ्र दऽ दॅथ ताहि पर विशेष जोर देल गेल।
४. एहन सदस्य
जिनका ओहिठाम समिति सऽ सम्बन्धित कोनो तरहक राशि बकाया छनि जेना.. सदस्यता शुल्क, बकाया
स्वॅच्छिक स्वीकृति
अनुदान आदि। तिनका लोकनि सऽ ओहि राशिक अति शिघ्र भुगतानक प्रयास।
एहन तरहक आर बहुत
अन्य-अन्य गप्प पर विचार-विमर्श भेल, बॅसार में उपस्थित रहॅथ सर्वश्री भुवनेश्वर झा,
प्रभाकर झा, भवनाथ झा, जय कुमार मिश्र, शिवचन्द्र झा, निरज झा, नरेश मिश्र, नरेश झा,
सुमन कुमार दास, अरविंद झा, रंजीत कुमार झा आ अन्य…
![]() |
| बॅसार में उपस्थित सदस्यगण |
आगामि बॅसार ३१/०१/२०१६
कऽ आयोजित हॅत, सब सदस्य लोकनि सऽ आग्रह जे उक्त बॅसार में समय सऽ उपस्थित
होइ।
धन्यवाद॥



No comments:
Post a Comment