अपने लोकनि के सुचित करॅत अपार हर्ष भ' रहल अछि जे दिनांक २६/०२/२०१५ क मिथिला नव चेतना समिति, रिषरा लगभग २.५ कट्ठा जमिन किन लेलक जकर रजीस्ट्री सेहो करा लेल गेल . समितिक स्थापनाक मुख्य उद्धेश्य छल रिषरा क्षेत्र में जमिन किनि क मिथिला भवन बनोनाइ.. अहि क्रम में समिति अपन पहिल मुख्य उद्धेश्य के पुर्ण कएल आ जमिनक रजीस्ट्री कराओल.
आब आशे टा नहि पूर्ण विश्वास अछि जे समिति एनाहि अपन उद्धेश्यक प्रति करगर स ठारह रहत आ सब सद्स्यक सामुहिक सहयोग आ शुभकामनाक बलें एनाहि अगुआइअत रहत.

No comments:
Post a Comment