Monday, 19 August 2019

मिथिला नव चेतना समिति मनौलक "चेतना समारोह"


देशक ७३ तम स्वतंत्रता दिवस मिथिला नव चेतना समितिक एगारहम स्थापना दिवस पर मनौलक "चेतना समारोह" उक्त कार्यक्रम दू सत्र मे आयोजित छल।
प्रथम सत्र मे समिति द्वारा भोर बजे मिथिला भवन पर समितिक मुख्य सचिव श्री नीरज झा जी द्वार झण्डा तोलन कएल गेल स्ंगहि समितिक सदस्य लोकनि के सेहो संबोधित केलनि। अहि अवसर पर समितिक अध्यक्ष श्री अरुण कुमार सिंह उपाध्यक्ष श्री बद्रीनाथ झा जी द्वारा सेहो स्वतंत्रता दिवसक उद्गार व्यक्त कएल गेल।
कार्यक्रमक दोसर सत्र छल समितिक औपचारिक नव कार्यकारिणीक घोषणा, वरिष्ठ सदस्य लोकनिक भाषण, मिथिला भवनक साल भरिक निर्माणक गतिक अवलोकन, वर्तमान कार्य पद्धति, आगुक परिकल्पना कार्यक रूपरेखा।
अहि अवसर पर समितिक उपाध्यक्ष श्री शिव चंद्र झा जी दीप प्रज्ज्वलित ' कार्यक्रम केर शुभ उद्घाटन केलनि। विशिष्टि रुपे मंच पर रहथि सर्वश्री शिवचन्द्र झा, अरुण सिंह, नीरज झा, प्रभाकर झा एवम् भवनाथ झा जी। कार्यक्रमक शुभारंभ सामुहिक रुपे विद्दापतिक भगवति रचना " जय जय भैरवि••••••• " गायन सँ कएल गेल। तकरा बाद श्रीमान ईश्वर चंद्र झा, रोशन झा, प्रकाश झा एवम् नाल पर अशर्फी ठाकुर जिक माध्यम सँ वातावरण के मैथिली संगीत सँ रसाबोर ' देल गेल।
तत्पश्चात अहिसत्रक नव कार्यकारिणीक औपचारिक घोषणा सेहो कएल गेल, जाहि मे अध्यक्ष, सचिव कोषाध्य क्रमशः सर्वश्री अरुण कुमार सिंह, नीरज झा शैलेंद्र ठाकुर जीक नामक घोषित कएल गेल। स्ंगहि अपन उद्गार मे समितिक वरिष्ठ सदस्य श्रीमान अमरेंद्र झा "शंकर मास्टर साहाब" जी द्वारा अगिला तिन मासक भीतर विज्ञापनक माध्यम सँ समितिक कोष मे 51,000/- टाकाक जोगार करेबाक आश्वासन देलनि तकरे बाद समितिक नव सद्स्य श्री अमर कान्त झा जी सेहो 15,000/- टाकाक अनुदान गछलनि।
मंचस्थ वरिष्ठ सदस्य द्वारा सब तरहें समितिक भवन निर्माण कार्य आन- आन लक्ष्य प्राप्तिक कार्य मे यथा साध्य सहयोग देबाक बात कहलनि। नव कोषाध्य श्रीमान शैलेंद्र ठाकुर जी द्वारा सबहक अहि तरहक सहयोगक अपेक्षा राखैत अगिला साल धरि भवन मे टाइल्स वा मार्बल सँ सम्पूर्ण रुपे सुसज्जित हेबाक आश्वासन देलनि ' अध्यक्ष श्री अरुण कुमार सिंह जी अगिला साल धरि उपरका तल्लाक सबटा पीलर तैयार ' जेबाक आश्वासन देलनि। मंच संचालन करैत सह सचिव श्री रंजीत कुमार झा जी सेहो समितिक प्रति सदस्यक सामजिक दायित्व, कर्तव्यक निर्वाहन, अपना संग संग अपन सम्पर्कित आन- आन लोक मे सेहो समिति भवनक प्रति जागरुकता पसारबाक बात पर जोर देलनि। समितिक संस्थापक  समर्पित सदस्य श्री बद्रीनाथ झा जी सबहक तन मन  धनक सहयोगक बात कहलनि। अहि क्रम मे सर्व श्री नरेश मिश्र  अमोल झा सेहो अपन उद्गार व्यक्त केलनि।

अंत मे अध्यक्ष श्री अरुण कुमार सिंह जीक धन्यवाद ज्ञापनक संग कार्यक्रमक समापनक घोषणा भेल।सम्पुर्ण कार्यक्रम केर संचालन समितिक सह सचिव एवम् युवा रंगकर्मी रंजीत कुमार झा जी द्वारा कएल गेल।

कर्यक्रम केर छाया-चित्र





















































No comments:

Post a Comment